Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
25 Apr 2024 · 2 min read

“ मैथिल क जादुई तावीज़ “ (संस्मरण )

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
====================
गाम गेल रहि ! यज्ञ -परोजन छल ! साढ़ू क बेटा क विवाह ,सारक बेटा क विवाह ,उपनयन आ मुड़नक गहमा गमही रहल ! दू वरखक बाद रमन -चमन देखबाक भेटल ! कोरोना मुँहेटा मे नहि मास्क लगेबेलक अपितु सब कार्य स्थगित भ गेल छल ! बुझू अतिचार लागल छल !
हमर सासुर क दुमंठा चौक बद्द रमनगर लगैत छैक ! इ मिनी मधुबनी भ गेल ! पानक दुकान ,चाय दुकान ,मोबाईल रेपाइरिंग सेंटर ,स्कूटर दुकान ,दवाई आ छोट सन सब दिन साँझू पहर हाट सहो लगैत अछि ! पोखरक भीर पर स्कूल क ग्राउन्ड अछि ! किछु न किछु एहि ग्राउन्ड पर होइत रहैत अछि !
डुगडुगी ,ढोल ,संगीत क मधुर ताल हमरो आकर्षित केलक ! लोक कहि रहल छल “ चलू चलू जादू भ रहल अछि !” किछु देर मे लोकक जुटान होमय लागल ! समीप पहुँचि पता लागल इ मनोरंजनक प्रक्रिया अछि ! जहन नीक मजमा लागि गेल तखन प्रारंभ भेल मजमा !
वो अपने स्त्री -पुरुष , एकटा 12 वरखक लड़का आ दू टा बंदर ! पहिने डुगडुगी बाजल ,संगीतक महफ़िल जमल आ मैथिली लोक गीत सँ सब केँ मंत्रमुग्ध क देलक ! संगीतक धून बंद भेल डुगडुगीक आवाज गुंजित होमय लागल ! पहिने किछु बंदरक खेल देखेलक ,किछु ताश क खेल आ किछु कलाबाजी ! तकर बाद अपन बच्चा केँ चदर ओढा सुता देलक ! डुगडुगी बजबैत बच्चा सँ पुछलक———
“ जंबूरे ?”
“जी सरकार !“
“ जे पूछबो से बतेभी ?”
“ जी सरकार !“
हँसी -मजाक मे बहुतो प्रश्न पुछल गेल ! मुदा जादूगर बद्द तेज छल ! ओकरा त अप्पन “ तावीज “ बेचबा क छल ! डुगडुगी बजबैत वो कहलक —-
“ सरकार , आहाँ लोकनिक समक्ष हम एहि बच्चा केँ गर्दनि काटब ! आहाँ लोकनि हिलब नहि “
ताबैत हम आहाँलोकनि केँ एक दिव्य उपहार द रहल छी !
“ एकटा अद्भुत तावीज़ क आविष्कार भेल अछि ! इ तावीज़ चारि तरह क अछि !
“ प्रथम –—अपन मातृभाषा मैथिली धाराप्रवाह बाजब “
“ द्वीतीय -अपन माटि -पानि सँ प्रेम जागत “
“ तृतीय—–भाषा -लिपिक ज्ञान क वृद्धि आ “
“ चतुर्थ —-अपन लोग सँ मैथिलीये मे वर्तलाभ करब “
फेर डुगडुगी बाजय लागल ! जादूगर पुनः स्पष्ट केलक !
“ धैर्य राखू ,धैर्य राखू ! जिनका चाहि हुनका भेटतनि ! एकर दाम नहि फ्री मे ल जाऊ !”
मारि होमय लागल हाथों हाथ सब लुटि लेलनि !………………………………………….
घरे बाटे कियो किछु बेचयवाला डुगडुगी बजबैत चलि जा रहल छल आ हमर स्वप्न एहिना टूटि गेल !
=======================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका,
झारखण्ड,
भारत

1 Like · 163 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.

You may also like these posts

4353.*पूर्णिका*
4353.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
कहाँ अब सुहाती है रोटी व सब्जी,
कहाँ अब सुहाती है रोटी व सब्जी,
Satish Srijan
एक वक्त आएगा, जब सब कुछ बेजान सा हो जाएगा ... ये हंसने वाला
एक वक्त आएगा, जब सब कुछ बेजान सा हो जाएगा ... ये हंसने वाला
पूर्वार्थ देव
आयी ऋतु बसंत की
आयी ऋतु बसंत की
ओम प्रकाश श्रीवास्तव
वो जो
वो जो
हिमांशु Kulshrestha
माहिए
माहिए
आशा शैली
आज कल सोशल मीडिया में सकारात्मक भंगिमा को स्वीकारते नहीं हैं
आज कल सोशल मीडिया में सकारात्मक भंगिमा को स्वीकारते नहीं हैं
DrLakshman Jha Parimal
चोपाई छंद गीत
चोपाई छंद गीत
seema sharma
शेरनी का डर
शेरनी का डर
Kumud Srivastava
आतिश पसन्द लोग
आतिश पसन्द लोग
Shivkumar Bilagrami
बेटियाँ
बेटियाँ
Mamta Rani
जाने क्या हो गया बस एक ही मुलाकात में
जाने क्या हो गया बस एक ही मुलाकात में
Jyoti Roshni
स
*प्रणय प्रभात*
Bye bye 2023
Bye bye 2023
Deepali Kalra
इस दुनिया में सबसे बड़ा और अच्छा इंसान वही है जो गरीब को गरी
इस दुनिया में सबसे बड़ा और अच्छा इंसान वही है जो गरीब को गरी
Ranjeet kumar patre
तन अर्पण मन अर्पण
तन अर्पण मन अर्पण
विकास शुक्ल
बसंत (आगमन)
बसंत (आगमन)
Neeraj Kumar Agarwal
जिसने अपने जीवन में दर्द नहीं झेले उसने अपने जीवन में सुख भी
जिसने अपने जीवन में दर्द नहीं झेले उसने अपने जीवन में सुख भी
Rj Anand Prajapati
मेरा जीवन,
मेरा जीवन,
Urmil Suman(श्री)
समूचे विश्व में अपना भी स्वाभिमान निखरेगा,
समूचे विश्व में अपना भी स्वाभिमान निखरेगा,
Abhishek Soni
जब  बगावत  से  हासिल  नहीं  कुछ  हुआ !
जब बगावत से हासिल नहीं कुछ हुआ !
Neelofar Khan
स्वाभिमान
स्वाभिमान
अखिलेश 'अखिल'
*धन्य अयोध्या जहॉं पधारे, पुरुषोत्तम भगवान हैं (हिंदी गजल)*
*धन्य अयोध्या जहॉं पधारे, पुरुषोत्तम भगवान हैं (हिंदी गजल)*
Ravi Prakash
"मेरी जान"
Geet
पुनर्जागरण काल
पुनर्जागरण काल
Dr.Pratibha Prakash
छोड़ दिया है मैंने अब, फिक्र औरों की करना
छोड़ दिया है मैंने अब, फिक्र औरों की करना
gurudeenverma198
- बिखरते सपने -
- बिखरते सपने -
bharat gehlot
तूझे क़ैद कर रखूं मेरा ऐसा चाहत नहीं है
तूझे क़ैद कर रखूं मेरा ऐसा चाहत नहीं है
Keshav kishor Kumar
उल्फ़त .में अज़ब बात हुआ करती है ।
उल्फ़त .में अज़ब बात हुआ करती है ।
sushil sarna
The gushing in memories flash a movie in front of me,
The gushing in memories flash a movie in front of me,
Chaahat
Loading...