Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
12 Nov 2021 · 2 min read

“प्रारम्भिक पाठशाला परिवार”

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल “
=========================
बहुत देर धरि आत्ममंथन करैत रहलहूँ ! किछु आइ लिखबा क चाहि ! सोझा मे लैपटाप राखल अछि ! अनेको विधा सं परिपूर्ण इ कम्प्युटर अछि ! फेसबुक देखू ,संगीत सुनू ,नृत्य देखू ,विश्व क समाचार पढू आ देखू ,कविता पढू,खेल देखू ,पूर्ण ब्रह्मांड क विचरण करू इत्यादि आर बहुत व्यंजनक प्रावधान अछि ! तथापि ,हमर इच्छा जागि गेल जे किछु लिखू ! ओना कोनो आन व्यंजन हमरा लेल बांतर नहि अछि ! हमर पाचन तंत्र अखनोधरि ठीक अछि !
पहिने त विषय सूझिये नहि रहल छल ! कखनो मन भेल कविता क रचना करि ! छंद ,रस आ विषय क चयन करि ! काखनो मोन केलक लघु कथा लिखू ! एक क्षण संस्मरण लिखबाक मन भेल ! राजनीतियों मे अनेक विषय अछि ! मुदा साहित्य सं अधिकांश लोग आइ काल्हि विक्षुब्ध भ गेल छथि ! बहुत कम महानुभाव छथि जे कविता ,कहानी ,संस्मरण इत्यादि पढ़ताह ! हाँ ,राजनीतिशास्त्र मे संभवतः कियो नहि पछुयायल छथि !
लिखनाई पहिने अबूह छल ! बाड़ी-झाड़ी सं सुखल कड़ची अनैत छलहूँ ! चाकू सं छिल कें कलम बनबैत छलहूँ ! रंग घोरि स्याही बनबैत छलहूँ ! होल्डर नींव बनल ,फाउंटेन पेन बनल तकर बाद बॉल पेन बनल ! लेखनी मे अखनो धरि एकर महत्व छैक ! मुदा नव युग क बरदान नवयंत्र लिखनाई सुगम आ द्रुत बना देने अछि ! संचार क युग मे एक नवीन क्रांति आबि गेल अछि ! आ क्रांति समस्त जनमानस धरि पहुँचि गेल !
चलू ,आइ एकटा गंभीर विषय पर चर्चा करैत छी ! कम्प्युटर हमरलोकनि सब अस्त्र -शस्त्र सं सुसज्जित केने अछि ! हम धनुर्धारी बनि गेलहूँ आ प्रतापी उपमा सं अलंकृत भेलहूँ ! मुदा शिष्टाचार ,माधुर्यता ,आदर -सत्कार ,प्रेम ,विनम्रता इत्यादि गुणक शिक्षा हमर गूगल प्रयोगिक रुपें देबा मे सक्षम नहि छथि ! साहित्यिक परिभाषा ,दृष्टांत आ उल्लेख प्रचुर मात्रा मे व्याप्त अछि मुदा सब बूते आत्मसाध असंभव अछि !
शिष्टाचार ,व्यवहार ,मृदुलता ,माधुर्यता ,आदर -सत्कार ,प्रेम विनम्रता इत्यादि क शिक्षा हमरालोकनि कें अपन प्रारम्भिक पाठशाला परिवार ,समाज ,अरिजन -परिजन ,शिक्षक ,स्कूल ,कॉलेज ,प्रशिक्षण ,भ्रमण आ पौराणिक ग्रंथ मे भेटइत अछि ! एकर अभाव मे हम सब काखनो पूर्ण नहि छी ! आइ हजार लोकनि मित्र बनि रहल छथि ! मुदा संस्कार रहित मित्रता स्वतः कोप भवन मे चलि जाइत अछि !
================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत
12 ,11 ,2021

Language: Maithili
Tag: लेख
210 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.

You may also like these posts

बसंत
बसंत
अनिल मिश्र
3905.💐 *पूर्णिका* 💐
3905.💐 *पूर्णिका* 💐
Dr.Khedu Bharti
शिव शिव की टेर
शिव शिव की टेर
Santosh kumar Miri
हालातों से युद्ध हो हुआ।
हालातों से युद्ध हो हुआ।
Kuldeep mishra (KD)
बड़ी मजबूरी है दिल की,
बड़ी मजबूरी है दिल की,
Kanchan Alok Malu
*स्वतंत्रता आंदोलन में रामपुर निवासियों की भूमिका*
*स्वतंत्रता आंदोलन में रामपुर निवासियों की भूमिका*
Ravi Prakash
अंदर तेरे शक्ति अगर गंभीर है
अंदर तेरे शक्ति अगर गंभीर है
Priya Maithil
हमेशा कोई जगह खाली नहीं रहती,
हमेशा कोई जगह खाली नहीं रहती,
Manju sagar
आकांक्षा
आकांक्षा
उमा झा
*** एक दौर....!!! ***
*** एक दौर....!!! ***
VEDANTA PATEL
"मेरा साथी"
ओसमणी साहू 'ओश'
मन के द्वीप
मन के द्वीप
Dr.Archannaa Mishraa
देवी महात्म्य चतुर्थ अंक * 4*
देवी महात्म्य चतुर्थ अंक * 4*
मधुसूदन गौतम
हम खुद में घूमते रहे बाहर न आ सके
हम खुद में घूमते रहे बाहर न आ सके
Dr Archana Gupta
सर्द रातों में कांपता है कोई
सर्द रातों में कांपता है कोई
नूरफातिमा खातून नूरी
*प्यासा कौआ*
*प्यासा कौआ*
Dushyant Kumar
बहती नदी से करके इश्क
बहती नदी से करके इश्क
Chitra Bisht
वीराने ही बेहतर है
वीराने ही बेहतर है
कल्पना सोनी "काव्यकल्पना"
बदला है
बदला है
इंजी. संजय श्रीवास्तव
बयार
बयार
Sanjay ' शून्य'
*तू भी जनता मैं भी जनता*
*तू भी जनता मैं भी जनता*
DR ARUN KUMAR SHASTRI
हुआ सवेरा
हुआ सवेरा
Pushpa Tiwari
पिता का प्यार
पिता का प्यार
Befikr Lafz
टिप्पणी
टिप्पणी
Adha Deshwal
बहर- 121 22 121 22
बहर- 121 22 121 22
Neelam Sharma
"बदलते दौर"
Dr. Kishan tandon kranti
..
..
*प्रणय प्रभात*
गीता के छन्द : मुख्य 4/5
गीता के छन्द : मुख्य 4/5
आचार्य ओम नीरव
due to some reason or  excuses we keep busy in our life but
due to some reason or excuses we keep busy in our life but
पूर्वार्थ
मदद एक ऐसी घटना है..
मदद एक ऐसी घटना है..
Aslam sir Champaran Wale
Loading...