Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
12 Apr 2025 · 3 min read

मिथिला क’ चार्वाक दर्शन

मिथिला क’ चार्वाक दर्शन

कखनहुं कखनहुं
मन मे खेआल आबैत अइ
जे ई धरा पर आहार श्रृंखला
सोझे सोझे बस
घास बकरी आ मनुक्खे टा क’ रहतिए,
त कतेक नीक होयतै..
बकरी घास के खाइत
आ मनुख बकरी के..
एकदम सोझ रेह म’,
नहि कोनो लाई लपटाई,
फुसियो नानाविध प्रकार क’
जीब जन्तु आ वनस्पति,
कनि देरी ठहरि,
फेर मन मे खेआल आयल,
अरे ! ई जऽ देउता सभ सेहो छैथ,
अपनहुं लेल ते किछु सोचने हेथिन्ह,
मनुख सऽ पूजा-पाठ प्रसाद चढ़बायब,
नानाविध प्रकारे फल फूल तीमन,
सेहो आवश्यके अछि,
लोक सभहक सेहंता परिपूर्ण करबा लेल,
पाबैन तिहाइर में ‘ ,
देउता पितर क’ इआद कएल जाइत अछि..
ई देउता पितर सभ मिलकऽ,
आहार श्रृंखला के कतेक
जटिल बना देओने छैथ,
मुदा अखनो धरि मिथिला भूमि में ,
अहारक कड़ी सोझे सोझ
देखाअ पड़ैत अछि ,
मिथिला में एकटा बराम्हनक धिया क’
विवाह कार्यक्रम में कन्यागत क दिश से रहऊ,
भोजन परसैत काल तजबीज करैत छलहुं ,
मुदा ई देख अवाक् भऽ गेलहुं जे _
सराती क तरफ से,
नानाविध व्यंजन परसैत काल,
कैएक बराती नेना-भुटका स’ लऽ केऽ
बड़-बुजुर्ग तक,
भात आ पूरी पत पर लेओने ,
हाथक इसारा से सभटा परसब बला क’ ,
अन्य सब व्यंजन देबअ सऽ
मना कऽ रहल छलाह,
जब हम पुछलियैन्हि त कहलैथ _
रहऽ दिअउ..
आओर सब आइटम खायब तऽ,
भूखे खत्म नञ भऽ जायत,
मीट कोना खायब..?
ई सुनि हमरा तत्क्षण अनुभूति भऽ गेल जे ,
ई ओ वेदभूमि मिथिला नहिं रहि गेल ,
अयाची मिश्र क
साग-पात खमहरुआ बला
मिथिला नहिं रहि गेल।
जनक-याज्ञवल्क्य,वाचस्पति,विद्यापति,
कुमारिल, मंडन ,उदयन आ
अयाची मिश्र, ज्योतिरीश्वर आदि आ _
आदर्श नारी विभूति में,
गार्गी, मैत्रेयी,भारती,लखिमा आदि क भूमि,
मिथिलांचल जकर बौद्धिक विकास,
चौदहवीं से अठारहवीं सदी के बीच _
अप्पन चरमोत्कर्ष पर छल,
ओ राजा जनक विदेहक धरती,
आब ओ अवनति क’ राह पकड़ि चुकल अछि,
एकटा समय छल जखन पांच वर्षक बालक _
बालोऽहं जगदानंदम सुना कऽ,
मिथिला नरेश के रत्नजडि़त कणठक हार ,
उतारबा कऽ अप्पन ग्रीवा में पहनवा लेलनि..
भगवान शंकर उगना महादेव,
महाकवि विद्यापति क’
विद्वता, सात्विकता आ भक्ति देख,
हुनक सेवक बनि गेल छलाह..
धर्मग्रंथ वेदभाष्य क नानाविध व्याख्या,
दर्शनक गांभीर्य,भाषा-साहित्यक समृद्ध परम्परा,
आदिगुरु शंकराचार्य क शास्त्रार्थ में हरायब,
सभटा इतिहास बनि कऽ रहि गेल अछि,
आब ओकर पुनरावृति ,
मिथिलाभूमि पर _
कदापि नहि भऽ सकैत अइ..
अखनहुं कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय दरभंगा में
ओना किछु शोधार्थी माथा मुंडोने,
शिखा बांधने आ चानन तिलक लगओने
वेदऋचा क पाठ करैत अवश्य भेट जायत,
मुदा जकरा हाथ में
मानवीय मूल्य,धर्म आ सात्विकता
के बागडोर हेबाक चाही,
वो आब शक्ति पूजा के प्रसादे तक
तर्कसंगत भऽ क रहि गेलाह..
होली दशहरा क पर्व आएत तऽ देखबै
देउता पितरक ओरियानि छोड़ि कऽ
यजमान हो या पुरोहित
दुनू झोला उठओने,
मांसक दोकान क’ बाहर
घण्टो पंक्तिबद्ध भऽ के
अप्पन बारी के प्रतीक्षा करैत भेट जेताह..
सभटा स’ख मनोरथ ओतहिए
आइब के समटब बुझाइत अछि..
मीट हलाल छै या झटका कोनो मतलब नहि ,
भाड़ म जाऽ दिअउ द्वैतवाद,
अद्वैतवाद विशिष्टाद्वैत..
बस केवल चारबाक दरसन,
जीवित रहबाक चाही..
यावत् जीवेत् सुखं जीवेत्
ऋणं कृत्वा घृतं पिबेत् ।
बस केवल घृतं शब्द के
मांस शब्द सऽ विस्थापित
कऽ देल जाउ _
यावत् जीवेत् सुखं जीवेत्
ऋणं कृत्वा मांसं खादेत् ।

(ई हमर निजी विचार थिक _मनोज कर्ण)
स्वरचित आओर मौलिक
सर्वाधिकार सुरक्षित
आलेख रचनाकार – मनोज कर्ण
कटिहार (बिहार)

1 Like · 49 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
Books from मनोज कर्ण
View all

You may also like these posts

54….बहर-ए-ज़मज़मा मुतदारिक मुसम्मन मुज़ाफ़
54….बहर-ए-ज़मज़मा मुतदारिक मुसम्मन मुज़ाफ़
sushil yadav
हर फूल खुशबुदार नहीं होता./
हर फूल खुशबुदार नहीं होता./
Vishal Prajapati
श्रीमती का उलाहना
श्रीमती का उलाहना
डॉ. श्री रमण
बाजारवाद
बाजारवाद
कार्तिक नितिन शर्मा
कभी तो देखने आओ जहाँ हर बार लगता है
कभी तो देखने आओ जहाँ हर बार लगता है
अंसार एटवी
32. नाकाफी
32. नाकाफी
Rajeev Dutta
- एक प्याली चाय -
- एक प्याली चाय -
bharat gehlot
मणिपुर और सियासत
मणिपुर और सियासत
Khajan Singh Nain
दीप
दीप
विशाल शुक्ल
आवो करीब तुम यहाँ बैठों
आवो करीब तुम यहाँ बैठों
gurudeenverma198
रिश्ते उन्हीं से रखो जो समय आने पर
रिश्ते उन्हीं से रखो जो समय आने पर
पूर्वार्थ
कामयाबी के पीछे छिपी पूरी ज़वानी है,
कामयाबी के पीछे छिपी पूरी ज़वानी है,
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
परीक्षा
परीक्षा
Dr. Pradeep Kumar Sharma
अगर ख़ुदा बनते पत्थर को तराश के
अगर ख़ुदा बनते पत्थर को तराश के
Meenakshi Masoom
" मयखाने "
Dr. Kishan tandon kranti
सत्य का सामना करना आ गया।
सत्य का सामना करना आ गया।
रामनाथ साहू 'ननकी' (छ.ग.)
हरफनमौला वो हसीन जादूगर ,
हरफनमौला वो हसीन जादूगर ,
ओनिका सेतिया 'अनु '
मोक्ष पाने के लिए नौकरी जरुरी
मोक्ष पाने के लिए नौकरी जरुरी
सोलंकी प्रशांत (An Explorer Of Life)
कुछ जो बाकी है
कुछ जो बाकी है
Suman (Aditi Angel 🧚🏻)
मेरी कलम से…
मेरी कलम से…
Anand Kumar
दोहे
दोहे
डाॅ. बिपिन पाण्डेय
मेरा नाम .... (क्षणिका)
मेरा नाम .... (क्षणिका)
sushil sarna
*पुरस्कार तो हम भी पाते (हिंदी गजल)*
*पुरस्कार तो हम भी पाते (हिंदी गजल)*
Ravi Prakash
अन्याय करने से ज्यादा बुरा है अन्याय सहना
अन्याय करने से ज्यादा बुरा है अन्याय सहना
सोनम पुनीत दुबे "सौम्या"
ये ढलती शाम है जो, रुमानी और होगी।
ये ढलती शाम है जो, रुमानी और होगी।
सत्य कुमार प्रेमी
শিবের গান
শিবের গান
Arghyadeep Chakraborty
मनुष्य
मनुष्य
Johnny Ahmed 'क़ैस'
दवा नहीं करते
दवा नहीं करते
Dr fauzia Naseem shad
बिहार के रूपेश को मिला माँ आशा देवी स्मृति सम्मान और मुंशी प्रेमचंद शिरोमणि सम्मान
बिहार के रूपेश को मिला माँ आशा देवी स्मृति सम्मान और मुंशी प्रेमचंद शिरोमणि सम्मान
रुपेश कुमार
घनघोर घटा
घनघोर घटा
ललकार भारद्वाज
Loading...