Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
18 Sep 2021 · 1 min read

स्नेह-समर्पण

अहाँकेँ आँखि सोझा देखि
आ कि होइते परोछ
फूलाए लगैत अछि
हमर हियाक सागरमे स्नेहक सुगन्धसँ
मह-महाइत
स्नेहक फूल ।

नहि अछि कोनो पैघसन बात
अहाँ सङ्ग हिया लगाएब
लगा सकैत छी
बान्हि सकैत छी
अहाँ सङ्ग स्नेहक बन्हन
आ निमाहऽ सकैत छी
अन्तिम साँसधरि ।

एहि २१म शताब्दीक
बहैत विषम बसातमे
स्नेह कहाँ रहलैए स्नेह ?
घोँटि गेलै निठ्ठूरता
आ स्नेहक विश्वासकेँ
देहक लोभ ।

भरोसा तँ
बनि गेलै चुनौती
चाइनिज समानसन
चुटकीमे
सम्बन्ध तोड़ि देबै कि !
तेँ
भोरसँ साँझ,
साँझसँ राति पड़िते
खुरदाङ्गिकऽ मारि दैत रहैत छी
चिन्ताक खुरसँ
हियामे उमड़ल
अहाँ नामे फूलकेँ।

किछु जोड़ीक नाम सोचिते
स्नेह प्रति
सान बढैए
सगरमाथाक उठानसन
कहू तँ
कतेक सुन्नर नाम थिक ?
हिर-रांझा
रोमियो-जूलियेट,
लैला-मजनू
सोनी-महिवाल
राम-सिया
सलहेस-कुशमा
शिवसिंह-लखमा
मुना-मदन
धीरू-रूपा
हँ, हमहूँ सएह रांझा
सएह मजनू
सहए महिवाल
सहए राम
सहए सलहेस
सहए शिवसिंह
सहए मदन
सहए धीरू
बनऽ चाहैत छी
सगरमाथाक शीरसन
अपन शीरक ध्वजा
फहराबऽ चाहैत छी
जिनगीक आकासमे
तेँ
हे प्रिय !
आउ स्वीकारि
सोँपि कऽ दी
एक दोसरकेँ समर्पण
यूगो-यूगधरि।

Language: Maithili
3 Likes · 3 Comments · 278 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
"रेलगाड़ी सी ज़िन्दगी"
Dr. Asha Kumar Rastogi M.D.(Medicine),DTCD
दोहा-
दोहा-
दुष्यन्त बाबा
यथार्थ
यथार्थ
Shyam Sundar Subramanian
जिसकी भी आप तलाश मे हैं, वह आपके अन्दर ही है।
जिसकी भी आप तलाश मे हैं, वह आपके अन्दर ही है।
Yogi Yogendra Sharma : Motivational Speaker
बात न बनती युद्ध से, होता बस संहार।
बात न बनती युद्ध से, होता बस संहार।
डॉ.सीमा अग्रवाल
ग़ज़ल/नज़्म - हुस्न से तू तकरार ना कर
ग़ज़ल/नज़्म - हुस्न से तू तकरार ना कर
अनिल कुमार
Love is beyond all the limits .
Love is beyond all the limits .
Sakshi Tripathi
हम केतबो ठुमकि -ठुमकि नाचि लिय
हम केतबो ठुमकि -ठुमकि नाचि लिय
DrLakshman Jha Parimal
spam
spam
DR ARUN KUMAR SHASTRI
स्कूल जाना है
स्कूल जाना है
SHAMA PARVEEN
जोगीरा
जोगीरा
संजीव शुक्ल 'सचिन'
माँ शारदे-लीला
माँ शारदे-लीला
Kanchan Khanna
संस्कृतियों का समागम
संस्कृतियों का समागम
हिमांशु बडोनी (दयानिधि)
"फूल बिखेरता हुआ"
Dr. Kishan tandon kranti
ऐ ख़ुदा इस साल कुछ नया कर दें
ऐ ख़ुदा इस साल कुछ नया कर दें
Keshav kishor Kumar
मोदी जी का स्वच्छ भारत का जो सपना है
मोदी जी का स्वच्छ भारत का जो सपना है
gurudeenverma198
आ जा उज्ज्वल जीवन-प्रभात।
आ जा उज्ज्वल जीवन-प्रभात।
Anil Mishra Prahari
तेरा होना...... मैं चाह लेता
तेरा होना...... मैं चाह लेता
सिद्धार्थ गोरखपुरी
No love,only attraction
No love,only attraction
Bidyadhar Mantry
राम काज में निरत निरंतर
राम काज में निरत निरंतर
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
आसमान पर बादल छाए हैं
आसमान पर बादल छाए हैं
Neeraj Agarwal
****वो जीवन मिले****
****वो जीवन मिले****
Kavita Chouhan
अस्तित्व है उसका
अस्तित्व है उसका
Dr fauzia Naseem shad
*आजादी का अर्थ है, हिंदी-हिंदुस्तान (कुंडलिया)*
*आजादी का अर्थ है, हिंदी-हिंदुस्तान (कुंडलिया)*
Ravi Prakash
पेड़ से कौन बाते करता है ।
पेड़ से कौन बाते करता है ।
Buddha Prakash
#बाल_दिवस_से_क्या_होगा?
#बाल_दिवस_से_क्या_होगा?
*Author प्रणय प्रभात*
मेरे पूर्ण मे आधा व आधे मे पुर्ण अहसास हो
मेरे पूर्ण मे आधा व आधे मे पुर्ण अहसास हो
Anil chobisa
माँ
माँ
shambhavi Mishra
3167.*पूर्णिका*
3167.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
পছন্দের ঘাটশিলা স্টেশন
পছন্দের ঘাটশিলা স্টেশন
Arghyadeep Chakraborty
Loading...