” फेसबुक क ग्रुप “
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल ”
==============
हमरो मन मे ग्लानि भ गेल
समाज मे रहित छी
कहिया धरि ढहलेल बकलेल
सन एकाकी जीवन बितायब ?
मालो -जाल समूह मे रहित अछि
समूह क सम्मान करि
एहिना अप्पन
समाजक झंडा फहराबय !!
कतेक दिन
‘ एकला चलो ..
एकला चलो ‘
कहि-कहि झाल -मिर्दंग
बजबैत रहब ?
जखन बाड़ी-झाडी बाध-बन ,
इम्हर -उम्हर समूह अछि त
सब सं हम जुडैत रहब !!
हम अप्पन मुड़ी
बहुतो ग्रुप मे
सनिहा देलहुं !
नीक लागल
भव्य लागल तें
हम ह्रदय सं
समर्पित भेलहूँ !!
आब भेलहूँ हम आश्वत
पारदर्शिताक नियम
प्रजातान्त्रिक परिवेश मे
हमर गप्प सुनल जायत !
सामंजस्यपूर्ण निर्भरता
विचारक मान्यता क
पताका फहरायत !!
मुदा इ ग्रुप समूह
हमरा नहि रास आबि सकल !
ग्रुप क नामंकरण
सामाजिकता सं कहियो
नहिजुडि सकल !!
एडमिन आ मोद्रेटर
अप्पन दियाद -बादक
सेवा मे जखन लागल छथि !
कहबा ला ग्रुप छथि
अप्पन क्षुधा शांति लेल
आकुल छथि !!
ककरा पर विश्वास करि ?
ककरा संग किछु दूर चलि ?
सब सं नीक गुरु जी कहब
” कियो तोरे डाक सुने आई ना
..एकला चलो रे ..
एकला चलो रे ”
सब सं ठीक कहब !!
=============
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका
झारखण्ड
भारत