” आबि गेलहुं न’ हमर चक्कर मे “
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
====================
लिखू बड़का लेख ,
सस्मरणक आलेख .
छापि लिय अपन कविता .
अंग्रेजीभाषा मे
विश्व पर ब्लॉग लिखू !
किया नहि ?……
भरि दिन……… ,
राति -राति
अपन रचना मे लागल रहू !
इ नहि आभास भेल .
आँखिक की हाल हैत ?….
रेडीयेसनक कुप्रभाव सं
हृदयों….. बेहाल हैत !!
लिखैत रहू….. खूब लिखू ,
हम त ……ओतेक पढलो नहि छी !
आहांक मन रखय लेल ,
लाइक वाला बटन
सदिखन दबबैत रहित छी !
===============
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
साउंड हैल्थ क्लीनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत