Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
20 Dec 2021 · 1 min read

सस्ता सब्जी

सस्ता सब्जी
दबा क खाऊ
आउ सुनबै छी
अझुका भाव

२० के पलांकी
२० के मेथी
२० के बथुआ
हे लेने जाउ

नवका आलू के
नै पुछू भाव
५० के ४ किलो
लुटई जाउ

भाउ टमाटरक
आगु सुनु
१० कम ४०
दुनु हाथे चुनू

मटर ४०, आ
३० के भाँटा खाऊ
हरियर धनिया पत्ता
१० के पाउ

सस्ता सब्जी
दबा क खाऊ

Loading...