Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
12 Mar 2022 · 1 min read

" फेसबुकक महान युग पुरुष "

डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
=================

हमर यश पताखा फहिर गेल चहूदिश

अप्पन उपलब्धि कें बखान

सब तरि हम कऽ रहल छी !

अप्पन भंगिमा कें क्षणे -क्षणे

प्रदर्शित कऽ

अगिया बेताल बनि नाचि रहल छी !!

नहि अछि हमरा स्नेह ,

आनक कोनो कविता सं

नहि अछि अनुराग

कोनो कविता पाठ सं !

हमरा नहि अछि समय एतबा

पढब …सोचब..

आर लिखब अपना माथ सं !!

हमरा चाहि निज प्रशंसा

आन जे लोग करताह !

आरतीक थारी भरि कऽ

तिलक हमर भाल करताह !!

उर सं लगाबैथ लोग हमरा

सष्ठांग दंडवत, प्रणाम , हार्दिक

शुभेच्छाक

हम अधिकारी भेलहुँ !

हम बुझैत छी युग पुरुष

श्रेष्ठ छी…योग्य छी

हम सदेव भारी भेलहुँ !!

मित्रताक मंत्र

हम सब बिसरि गेल छी !

आत्मीयता ,सम्मान ,स्नेह ,सत्कार

हम सब निगलि गेल छी !!

=================

डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
साउंड हैल्थ क्लीनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका,
झारखंड,
भारत

Loading...