Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
22 Nov 2021 · 1 min read

गुण में गणेशक पुत्र महेशक पुजा कैरीतै रही

श्री गणेश भजन

गुण मैं गणेशक पुत्र महेशक पुजा कैरीते रही
शिध्दी विनायक मंगल कारक के पुजा कैरीते रही
भक्त के अपन ई उवारैत जथिन
हर दुःख से ई बचावैत छथिन
जय हो गणनायक ई कहीते रही
जय गणेश जय गणेश ई जैपते रही।।-२
जय जय देव जय जय देव-२

फुल सब आंनू न ऐड़पन पारु न
पुजा के वीधीवत ओरीयान कऽ लियऽ
हकार दऽ अवीयौ न टोलों में कहीयौ न
देव के सब कियों ध्यान कऽ लियऽ
दुर में छैथ पंडित जी कहीं के अबीयौं
व्रत धारी के आहां ध्यान रखीयौं
जय हो गणनायक ई कहीते रही
जय गणेश जय गणेश ई जैपते रही
जय जय देव जय जय देव-२

पंडित जी चलूं न पुजा कराबूं न
पुजा के उचित समय भऽ गेल
दीप जरौंने छी आसन लगौने छी
मंडप में भक्त के भीड़ भऽ गेल
जे उचित दक्षिणा हैत ओ सब भेटंत
चुरा दही के ओतऽ भोजन भेंतट
चुरा दही के ओतऽ भोजन भेंतट
जय हो गणनायक ई कहीते रही
जय गणेश जय गणेश ई जैपते रही
जय जय देव जय जय देव-२

गीतकार- रौशन राय
तारीख – ०१ – ०९ २०२१
मोबाइल ८५९१८५५५३१/९५१५६५१२८३

Loading...