मिथिलाक संस्कृति!
मिथिलाक संस्कृति
*****************
गरब नै शरम अबैय
मिथिला के संस्कृति पर!
केते जातिवादी वो हैय
केवल सोचैय अपना पर!
हमर विरोध आपत्ति नैय
विद्यापति मंडन ययाचि पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
सलहेश लोरिक उपेक्षा पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
मांगैन रेणु उपेक्षा पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
शहीद रामफल उपेक्षा पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
किराय कर्पूरी उपेक्षा पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
भोला धनिक उपेक्षा पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
मंगनी विलास उपेक्षा पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
उच्च नीचक भाव पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
बाभन सोलकन सोच पर!
हमर विरोध आपत्ति हैय
रामा अधलाह संस्कृति पर!
स्वरचित © सर्वाधिकार रचनाकाराधीन।
रचनाकार-आचार्य रामानंद मंडल सामाजिक चिंतक सीतामढ़ी।