माँ
माँ
गे माँ
सुन ने कने
दुलार ने पाबि कनिको
हम कानी बिनु तोहर
के हमर एहि जग मे
आउ हे माँ करू दुलार कने
माँ गे
केकर आस करू
सब टाका केर चिन्हे
टूअर जगसँ ठुकरायल
केकरा कहू माँ हम
के हमर एहि जग मे
आउ हे माँ करू दुलार कने
माँ
गे माँ
आँचर तऽर झांपि लिय
ले सटा अपन करेजसँ
एक बेरि तऽ माँ ताकू ने
हे शीतला मैया कने बाजू ने
के हमर एहि जग मे
आउ हे माँ करू दुलार कने
मौलिक एवं स्वरचित
© श्रीहर्ष आचार्य