बाबू
बाबू याद आबै छी!
पता नै कंहा छी?
परंच पास लगै छी!
डांट याद आबै छी।
आइ कोनोनै डांटै छी?
बाबू याद आबै छी!
मनुहार याद आबै छी!
आइ कोनोनै मनुहारै छी?
बाबू याद आबै छी!
दुलार याद आबै छी!
आइ कोनोनै दुलारै छी?
बाबू याद आबै छी!
त्याग याद आबै छी!
आइ कोनोनै त्यागै छी?
बाबू याद आबै छी!
बिंबक प्रतिबिंब बनल छी!
अचेतनसं चेतन बनल छी!
रामा मनुष बनल छी!
स्वरचित © सर्वाधिकार रचनाकाराधीन।
रचनाकार-आचार्य रामानंद मंडल सामाजिक चिंतक सीतामढ़ी।