Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
18 Oct 2021 · 4 min read

पिता 3( गतांक 2 स आगा अंतिम)

___________________________
दू नू भाई बहिन 3BHKफ्लैट किराया लेलक, आधुनिक सुख सुविधा के सभ समान छलै,शीला ब्रह्ममूहूर्त मे जागि के पूजा पाठ क दूनू ले नास्ता आ लंच तैयार क दै,तखन चाय बना क दूनू के जगवै।
चाय पीना काल शीला कहलकै तू दूनू जखन ड्यूटी पर चलि जाइ छै एसगर घर काट दौडैत अछि।नव नगर केकरो चिन्हवो नहि करैत छियै,अगल बगल के लोक हरदम दरवाजा बंदे खेने रहैत अछि,सर संबंधी सभ सेहो जे छथि से सभ कत छथि किछु नहि बुझैत छियै।भरि दिन कतेक टी वी देखू।कतेक किताब पढू,की करू मोन होइत अति तीस हजारी चलि जाऊं और फेर स अपन काज शुरू करि,पाई लेल नहि अपना के व्यस्त रखवा लेल।दूनू भाई बहिन के संगे बाजि उठल कोनो काज नहि छै एहि समस्या का समाधान तकैत छी।
अनमोल बाजल मॉ उठ चल एक टा जगह देखवैत छियौ, फ्लैट स बाहर आयल ओटो केलक दू किलोमीटर पर एक टा राम जी के मंदिर छलै,आ बगल मे बड़का पार्क । अनमोल कहलकै एत प्रतिदिन रामायण के पाठ तीन स चारि होई छै,तकर बाद पार्क चलि आ दू घंटा एत बैस रंग बिरंग के लोक सभ के देखिहें, दू चारि दिन में अपने संगी भ जेतौ अदिति त छ बजे चलि अवैत अछि हमर कोनो ठेकाने नहि अछि,मुदा आब तोरा कोनो काज नहि करै के छौऊ।
शीला के दिनचर्या बदलि गेलैन्ह,धीया पुता के विदा कर घर ठीक ठाक क क शीला मंदिर आ पार्क जाय लगलि।एक दिन अनायास मंदिर मे एक आदमी पर नजरिए पडलै खिचड़ी केश आ बढल दाढ़ी मोछ,शीला अकान लागलि ओहो व्यक्ति शीला दिस एक टक देख रहल छल,आई रामायण मे फूलवारी मे सीता क भेंट राम स भेलैन्ह,प्रकरण चलि रहल छल,प्रवचन कखन खत्म भेलै दूनू नहि बुझि सकल।
जखन सभ श्रोता चलि गेल त पुरूष पुछलखिन,आहॉ शीला छी?
शीला आहॉ जीतेन्द्र छी?
हॉ हम जीतेन्द्र छी,एत कत?
दूनू उठि पार्क दिस विदा भ गेला, पार्क मेअंत में बेंच पर बैसल नेबो बला चाय पिवैत जाइत गेला।
शीला कहू कै के टा बाल बच्चा अछि? की करैत अछि? पत्नी कत छथि?
जीतेन्द्र मंद मंद मुस्काइत एके टा उत्तर देलकै हम अविवाहित छी।
शीला के बकोर लागि गेलै।
जीतेन्द्र पुछलकै जे आहॉ के?
शीला आद्योपांत सभटा कथा कह लगलि आंखि स दहो बहो नोर बहि रहल छल। जीतेन्द्र रूमाल निकालि क नोर साफ करैत बाजल विवाह क क आहॉ दुःखी छी नहि क क त हम सहजहि दुःखी छी।
जीतेन्द्र इनकमटैक्स कमीश्नर भ गेल छल खुश सुन्दर एक टा बंगला छलै, ओ शीला के आग्रह केलकै जे बंगला पर चलू,शीला नहि नहि कहि सकलि।
जीतेन्द्र के ड्राइवर गाड़ी लक ऐलै ,आई बीस वर्ष स ओ जीतेन्द्र के गाड़ी चला रहल छल पहिल दिन साहेब संगे कोनो महिला के देखने छल।
पछिला सीट पर शीला और जीतेन्द्र दूनू बैसल,कनि काल में बंगला पर पहुंचल। शीला जहिना भीतर गेल ओकरा चक विदोर लागि गेलै,शीला के मैट्रीक के एडमिट कार्ड वला फोटो पैघ करा क
पॉचो कोठरी आ हाॅल मे टांग छलै,नौकर चाकर सभ मुदा घर त घरवाली के लक होइत छैक।सभ समान जै तैं राखल ।
समय भगेलै साढ़े छः अदिति फ्लैट पर आयल पहिल दिन एहन भेलै जे मॉ नहि छल,अशुभ अंदेशा स कोढ़ काॅप लगलै,फोन लगौलक, शीला तुरंत फोन उठेलक कहलकै एक् टा परिचित भेंट गेल सुनके संग गप्प में समय के ध्यान नहि रहल, जीतेन्द्र फोन लैत कहलकै बेटा बहुत दिन पर भेंट भेल अछि एहि पता पर अनमोल आ आहॉ चलि आऊ रात्रि में सभ कियो संगे खाना खैव काल्हि त रवि छैहे।पता हम ह्वाटस एप क दैत छी।
आधा घंटा में दूनू भाई बहिन पता पर पहुंच गेल जीतेन्द्र और शीला के अतीत सुनि चारू खूव कानल।
जीतेन्द्र खाना के आडर क देलकै। अनमोल आ अदिति कैम्पस में टहलै के बहाने निकलल अदिति कहलकै आई जीवन में मॉ के उन्मुक्त भ क हॅसैत देखलियै अछि, कतेक कष्ट सहि क हमरा सभ के लायक बनेलक।
अनमोल गुमे रहल। परात रवि छलै अनमोल एकटा होटल बुक केलक, विभाग के बडका बड़का पदाधिकारी आ संगी साथी सभ के पार्टी के नाम पर निमंत्रित केलक,डी यू के कुलपति आ आदिति के मित्र सभ सेहो निमंत्रित भेला।
संध्या काल स्टेज स अनमोल धोषणा केलक जे आई छीब्बीस वर्ष की बाद हमरा आ अदिति के ” पिता” भेटला,हमर मॉ के पति और इनकमटैक्स कमीश्नर जीतेन्द्र जी के पत्नी भेटल छैन्ह,ताहि उपलक्ष्य में आजुक आयोजन थिक। शीला आ जीतेन्द्र जी के खिस्सा संक्षेप में कहलक,।
सभ अतिथि गण अनमोल क एहि काज के मुक्त कंठ से प्रशंसा करैत रहल, पुलिस कमिश्नर स्टेज पर आवि क घोषणा केलैन्ह,जे अनमोल क,एहि अनमोल काज लेल आऊट आप टर्न हिनकर प्रोन्नति के अनुशंसा करव।एहि उपलक्ष पर दिल्ली पुलिस विभाग के उपहार मानल जाऊ।
शीला जीतेन्द्र एक दोसर के देख रहल छल आ होटल बाला गाना बजा देलकै
“दो सितारों का जमीन पर है मिलन आज की रात…….”
समाप्त
हमर प्रोफाइल मे तीनू किस्त अछि पढू।
आशुतोष झा
01/07/2021

Language: Maithili
444 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
*पहले-पहल पिलाई मदिरा, हॅंसी-खेल में पीता है (हिंदी गजल)*
*पहले-पहल पिलाई मदिरा, हॅंसी-खेल में पीता है (हिंदी गजल)*
Ravi Prakash
छोटे गाँव का लड़का था मै और वो बड़े शहर वाली
छोटे गाँव का लड़का था मै और वो बड़े शहर वाली
The_dk_poetry
झूठी है यह सम्पदा,
झूठी है यह सम्पदा,
sushil sarna
23-निकला जो काम फेंक दिया ख़ार की तरह
23-निकला जो काम फेंक दिया ख़ार की तरह
Ajay Kumar Vimal
"शब्दों का संसार"
Dr. Kishan tandon kranti
सोनपुर के पनिया में का अईसन बाऽ हो - का
सोनपुर के पनिया में का अईसन बाऽ हो - का
जय लगन कुमार हैप्पी
यूपी में कुछ पहले और दूसरे चरण में संतरो की हालात ओर खराब हो
यूपी में कुछ पहले और दूसरे चरण में संतरो की हालात ओर खराब हो
शेखर सिंह
गणतंत्र दिवस
गणतंत्र दिवस
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
When the ways of this world are, but
When the ways of this world are, but
Dhriti Mishra
तुम जो आसमान से
तुम जो आसमान से
SHAMA PARVEEN
डमरू वीणा बांसुरी, करतल घन्टी शंख
डमरू वीणा बांसुरी, करतल घन्टी शंख
महावीर उत्तरांचली • Mahavir Uttranchali
*और ऊपर उठती गयी.......मेरी माँ*
*और ऊपर उठती गयी.......मेरी माँ*
Poonam Matia
प्रकाश एवं तिमिर
प्रकाश एवं तिमिर
Pt. Brajesh Kumar Nayak
■ प्रणय_गीत:-
■ प्रणय_गीत:-
*Author प्रणय प्रभात*
शुभ दिवाली
शुभ दिवाली
umesh mehra
मगर अब मैं शब्दों को निगलने लगा हूँ
मगर अब मैं शब्दों को निगलने लगा हूँ
VINOD CHAUHAN
नज़र को नज़रिए की तलाश होती है,
नज़र को नज़रिए की तलाश होती है,
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
ग़ज़ल
ग़ज़ल
Mahendra Narayan
हमें कोयले संग हीरे मिले हैं।
हमें कोयले संग हीरे मिले हैं।
surenderpal vaidya
यूँ जो तुम लोगो के हिसाब से खुद को बदल रहे हो,
यूँ जो तुम लोगो के हिसाब से खुद को बदल रहे हो,
पूर्वार्थ
2433.पूर्णिका
2433.पूर्णिका
Dr.Khedu Bharti
कुछ इस लिए भी आज वो मुझ पर बरस पड़ा
कुछ इस लिए भी आज वो मुझ पर बरस पड़ा
Aadarsh Dubey
भोर के ओस!
भोर के ओस!
कविता झा ‘गीत’
उसकी आंखों से छलकता प्यार
उसकी आंखों से छलकता प्यार
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
19. कहानी
19. कहानी
Rajeev Dutta
*जब एक ही वस्तु कभी प्रीति प्रदान करने वाली होती है और कभी द
*जब एक ही वस्तु कभी प्रीति प्रदान करने वाली होती है और कभी द
Shashi kala vyas
जो कर्म किए तूने उनसे घबराया है।
जो कर्म किए तूने उनसे घबराया है।
सत्य कुमार प्रेमी
"वचन देती हूँ"
Ekta chitrangini
“दुमका संस्मरण 3” ट्रांसपोर्ट सेवा (1965)
“दुमका संस्मरण 3” ट्रांसपोर्ट सेवा (1965)
DrLakshman Jha Parimal
एक एक ख्वाहिशें आँख से
एक एक ख्वाहिशें आँख से
Namrata Sona
Loading...