जाति जनगणना
जाति जनगणना
~~°~~°~~°
जाति गिनु , थाती गिनु ,
करु ने अप्पन जोगार यौ।
अंगरेजक नीति अपनाउ,
बचाबु अप्पन सरकार यौ।
जाति गिन गिन नेता खुश अई,
आयत फेर आरक्षण हथियार यौ।
प्रहार करत एकरे से पेट पर ,
ढाहत विकास केऽ बयार यौ ।
बुड़बक जनता त्राहिमाम अई ,
नया समीकरण अहां बनाऊ यौ।
सौख सेहन्ता पूरा करु अप्पन ,
भाई के भाई से लड़वाऊ यौ।
संसाधन जतबे सीमित अई ,
ओतबो नऽ अहां केऽ जोगार यौ।
मिल उद्योग सभ बंद पड़ल अई ,
रहल ने कोनो सरोकार यौ ।
छन में पूरब छन में पश्चिम ,
सुशासन केऽ सरकार यौ ।
जनता से आधार खिसैक गेल ,
बनल आब ओ बेताल यौ।
मौलिक एवं स्वरचित
सर्वाधिकार सुरक्षित
© ® मनोज कुमार कर्ण
कटिहार ( बिहार )
तिथि – ११/०१/२०२३
माघ ,कृष्ण पक्ष,चतुर्थी ,बुधवार
विक्रम संवत २०७९
,