Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
27 Jul 2023 · 3 min read

“ मैथिली ग्रुप आ मिथिला राज्य ”

डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
=================================
उत्तरदायित्व क बोझ स्वतः आबि जाइत अछि ! हमरा लोकनि जाहि देश मे जन्म लैत छी वोही देश क उन्नति क उत्तरदायित्व हमरा लोकनिक कान्ह पर आबि जाइत अछि ! नीक नागरिक बननाय ,कुशल शिक्षक भेनाइ ,शिष्ठ विद्यार्थी ,नीक प्रशासक ,ईमानदार नेता ,निर्विवाद सूचना आ प्रसारण इत्यादि गप्प सपने एहन प्रतीत होइत अछि ! किछु उत्तरदायित्व केँ हम स्वयं ग्रहण करैत छी आ किछु जिम्मेदारी हमरा देल जाइत अछि ! एहि उत्तरदायित्व केँ सब परिस्थिति मे निभाबय पड़ैत छैक अन्यथा हमरा लोकनि केँ अकर्मण्यता क सिंहासन पर आरूढ़ होमय पड़त ! सम्पूर्ण व्यवस्था बूझू चरमरा जाएत ! लोक केँ लोक सँ विश्वास खत्म भ जाएत !
आइ काल्हि फेसबूक क रंगमंच पर अनगिनत ग्रुप साहित्यिक ,कविता ,लिपि ,संस्कृति ,उपन्यास ,खेल -कूद ,चित्रकारी इत्यादि क पादुर्भाव भ गेल अछि ! विश्व क समस्त भाषा आ विभिन्य क्षेत्र क अलग -अलग ग्रुप बनि गेल अछि ! अधिकाशतः ग्रुप अपन उत्तरदायित्व केँ भली भाँति जनैत अछि ! इ अपन उद्देश केँ निर्णय करि एकर निर्माण करैत अछि आ हिकर सफर पारदर्शिता पर टिकल रहैत अछि ! अपन जिम्मेदारी पर इ सब सदैव अबलम्बित रहैत छथि ! ग्रुप क समस्त सदस्य मूकदर्शक नहि होइत छथि अपितु शिष्टाचार ,नियम ,सादगी ,सकारात्मक ,मधुर्यता क देहरि केँ टपबाक क दुस्साहस कदाचित नहि करैत छथि !
विश्व क पटल पर दूटाबे फेसबूक ग्रुप सँ जुड़बा क सौभाग्य हमरा सहो प्राप्त भेल ! एकटा World Literature Academy आ दोसर World Union of Humanists हमर प्रिय ग्रुप मे संमलित अछि ! कोनो ऐड्मिन आ कोनो माडरैटर क अंकुश नहि अछि परंच हुनकर बको दृष्टि सँ संभवतः कोनो अभद्र लेख वा विचार नहि बचि पाओत ! आहाँ विश्व क समस्त भाषा आ लिपि क प्रयोग क सकैत छी ! हम अपन बात ,कविता ,खिस्सा-पिहानी ,भाषा ,लिपि ,संस्कृति ,परिवेश इत्यादि क चर्चा अपन मैथिली भाषा मे करैत छी ! विश्व क समस्त लोक एकरा पढ़इत आ समालोचना करैत छथि ! हमहूँ विश्व क कृति केँ पढ़इत छी ! हुनकर भाषा आ विधा केँ नजदीक सँ जानय चाहैत छी !
संकीर्णता के शिकंजा मे अधिकांशतः मैथिली ग्रुप फँसल दिखा पड़ैत अछि ! जाहि मैथिली भाषा केँ सम्पूर्ण विश्व स्वीकार करैत अछि वैह मैथिली ग्रुप कोनो अन्य भाषा केँ अस्पृश्यता क नजरि सँ दखैत अछि ! मैथिल अधिकाशतः अपन भाषा ,रीति -रिबाज़ सँ विमुख भेल जा रहल छथि ! मैथिली क अपन लिपि अछि परंतु दुर्भाग्य सँ बहुत कम लोक एकरा पढ़य आ लिखय मे प्रयोग करैत छथि ! आब त गामो मे अधिकांश लोकनि मैथिली केँ अस्पृश्यता क नज़रि सँ देखैत छथि ! बाहर रहय वला मैथिल परिवार अधिकाशतः मैथिली केँ छोड़इत जा रहल अछि !

ढाढ़स ,सांत्वना ,प्रोत्साहन आ उदारता क छोड़ि अधिकांशतः ऐड्मिन ,मोडरेटर एवं मैथिल महंत लोकनि निरंकुशता क अंकुश सँ लोक केँ हतोउत्साह करैत रहैत छथि ! नीक -नीक उत्कृष्ट उपयोगी लेख,विचार,कविता,खिस्सा आ समालोचना केँ बहुत दिन धरि पेंडिंग मे रखि देताह आ अंततः डिक्लाइन करि देताह ! उल -जलूल पोस्ट के अप्रूव्ड करबा मे अपना के गर्व अनुभव करताह ! कखनो -कखनो नरि क असम्मान क कविता केँ स्थान देल जायत परंच मैथिली साहित्यक परिचर्चा केँ डिक्लाइन करि देताह ! आइ संभवतः कियो गिनल -चुनल ऐड्मिन आ मोडरेटर हेताह जे एहन संक्रामक रोग सँ ग्रसित नहि छथि ! महंत लोकनिक गप्प की कहू ? इएह महंत मैथिली साहित्यक विकास क अवरोधक तत्व छथि ! इ उपदेश देताह मुदा क्षेत्रवादिता , जातिवादिता आ आलोचना क आवरण संभवतः कहियो उतारि नहि सकताह !

अपन जिम्मेदारी केँ जाधरि ऐड्मिन ,मोडरेटर आ तथाकथित मैथिल महंत नहि बुझताह , पारदर्शिता क नियम केँ अंगीकार नहि करताह ताधरि मैथिली क आधार स्तम्भ संभवतः कखनो सुदृढ़ नहि भ सकत ! ढाढ़स ,सांत्वना ,प्रोत्साहन आ उदारता क अस्त्र सँ अपन मैथिली भाषा आ संस्कृति क प्रचार -प्रसार भ सकैत अछि आ मिथिला राज्य क निर्माण क मार्ग प्रशस्त भ सकैत अछि !
====================================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
शिव पहाड़
दुमका
झारखण्ड
भारत

Language: Maithili
Tag: लेख
1 Like · 120 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
तुम पतझड़ सावन पिया,
तुम पतझड़ सावन पिया,
लक्ष्मी सिंह
#शेर
#शेर
*प्रणय प्रभात*
हमारा देश
हमारा देश
SHAMA PARVEEN
धरी नहीं है धरा
धरी नहीं है धरा
महेश चन्द्र त्रिपाठी
पल
पल
Sangeeta Beniwal
भले ई फूल बा करिया
भले ई फूल बा करिया
आकाश महेशपुरी
"बुरी होती अति"
Dr. Kishan tandon kranti
कविता :- दुःख तो बहुत है मगर.. (विश्व कप क्रिकेट में पराजय पर)
कविता :- दुःख तो बहुत है मगर.. (विश्व कप क्रिकेट में पराजय पर)
राजीव नामदेव 'राना लिधौरी'
जो लोग असफलता से बचते है
जो लोग असफलता से बचते है
पूर्वार्थ
बीवी के अंदर एक मां छुपी होती है,
बीवी के अंदर एक मां छुपी होती है,
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
" पीती गरल रही है "
भगवती प्रसाद व्यास " नीरद "
सच तो बस
सच तो बस
Neeraj Agarwal
डॉ. नामवर सिंह की आलोचना के अन्तर्विरोध
डॉ. नामवर सिंह की आलोचना के अन्तर्विरोध
कवि रमेशराज
जीवन में प्राथमिकताओं का तय किया जाना बेहद ज़रूरी है,अन्यथा
जीवन में प्राथमिकताओं का तय किया जाना बेहद ज़रूरी है,अन्यथा
Shweta Soni
चले ससुराल पँहुचे हवालात
चले ससुराल पँहुचे हवालात
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
वन गमन
वन गमन
Shashi Mahajan
"आओ हम सब मिल कर गाएँ भारत माँ के गान"
Lohit Tamta
पानी की तस्वीर तो देखो
पानी की तस्वीर तो देखो
VINOD CHAUHAN
** सपने सजाना सीख ले **
** सपने सजाना सीख ले **
surenderpal vaidya
ग़ज़ल
ग़ज़ल
Neelofar Khan
Dr Arun Kumar shastri
Dr Arun Kumar shastri
DR ARUN KUMAR SHASTRI
कितने एहसास हैं
कितने एहसास हैं
Dr fauzia Naseem shad
खुशनसीब
खुशनसीब
Bodhisatva kastooriya
मैं लोगों की तरह चांद तारे तोड़ कर तो नही ला सकता लेकिन तुम
मैं लोगों की तरह चांद तारे तोड़ कर तो नही ला सकता लेकिन तुम
ब्रजनंदन कुमार 'विमल'
*सौ वर्षों तक जीना अपना, अच्छा तब कहलाएगा (हिंदी गजल)*
*सौ वर्षों तक जीना अपना, अच्छा तब कहलाएगा (हिंदी गजल)*
Ravi Prakash
कितना प्यारा कितना पावन
कितना प्यारा कितना पावन
जगदीश लववंशी
22)”शुभ नवरात्रि”
22)”शुभ नवरात्रि”
Sapna Arora
मां चंद्रघंटा
मां चंद्रघंटा
Mukesh Kumar Sonkar
3081.*पूर्णिका*
3081.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
गाय
गाय
Dr. Pradeep Kumar Sharma
Loading...