Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
24 Aug 2023 · 5 min read

“देवभूमि क दिव्य दर्शन” मैथिली ( यात्रा -संस्मरण )

डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
===================
01 ,मई 2011 भोरे -भोरे हमर मोबाईल बाजि उठल ! हम उठेलहूँ त हमर पुत्री आभा छलीह ! गप्प भेल ! कुशल समाचार सँ अवगत भेलहूँ ! एहि क्रम मे आभा बजलीह , –
“ बाबू जी ,हमसब प्लान बनेने छी जे चारिधामक यात्रा पर चलि ! हमसब अपन गाड़ी सँ भोरे 05 बजे दिनांक 28 मई 2011 केँ रोहिणी ,नयी दिल्ली सँ चारों धाम क यात्रा पर चलब ! हम चारि गोटें आ आहाँ दूनू हमरा संग चलब ! दिल्ली क लेल आहाँ सब दुमका सँ आरक्षण करबा लिय अन्यथा कोनो दिक्कत हेत त एतय सँ हम करबा देब !”
इ सुअवसर केँ भला कहू के छोड़त ? हम अपन सहमति देत कहलियनि ,—-
“ नऽ….नऽ एहिठाम सँ दिल्ली क लेल आराम सँ आरक्षण भऽ जेतैक !”
दिल्ली सँ हरिद्वार
==============
24 मई 2011 केँ हम दूनू नयी दिल्ली पहुँचि गेलहूँ ! तैयारी प्रारंभ भ’ गेल ! 28 मई 2011 केँ हमरालोकनि केँ चलबाक छल ! पहाड़ी क्षेत्र आ ऊँचाई पर चढ़बाक लेल गर्म कपड़ा आ आवश्यक बस्तु क इंतजाम क लेलहूँ ! ठीक 5 बजे ड्राइवर सरदार हरपाल सिंह INOVA CAR मे बैसा केँ हरिद्वार चलि पड़ल ! सब सँ श्रेष्ठ हमर समधि श्री कृष्ण कान्त झा छलाह ! वो आगाँ बैसि गेलाह ! हम दूनू सेकेंड सीट पर संग मे हमर दोहित्र स्रोत झा, जे मात्र 7 वरख छलाह ,वो हमरे संगे बैसि गेलाह ! रीयर सीट पर हमर जमाय श्री राहुल झा आ हमर पुत्री आभा बैसि गेलीह !
हरिद्वार सँ बरकोट
=============
28 मई 2011 केँ हमरा लोकनि हरिद्वार पहुँचि गेलहूँ ! गंगा स्नान हरकि पौड़ी मे केलहूँ ! 230 किलोमीटर क यात्रा क पश्चात HOTEL PARKVIEW मे एक राति रुकलहूँ ! संध्या समय हरकि पौड़ी मे गंगा- आरती देखबा क अवसर भेटल ! 29 मई प्रातः 6 बजे हरपाल अपन कार मे हमरा लोकनि केँ ल चलल बरकोट क दिसँ ! बरकोट 220 किलोमीटर छल ! देहरादून ,मसूरी आ केंपटी फाल क दर्शन क बाद बरकोट क HOTEL CHAUHAN ANNEXE मे रुकहूँ ! अद्भुत पर्वतीय दृश्य क अवलोकन केलहूँ !
बरकोट सँ यमुनोत्री आ पुनः वापसि
=====================
30 मई 2011 भोरे सब तैयारी क’ केँ पहिल तीर्थ यात्रा प्रारंभ भ गेल ! ओना यमुनोत्री क सफर 36 किलोमीटर क छल आ पहाड़ी ट्रेक एनाय -गेनाय मिला केँ 12 किलोमीटर ! अद्भुत आ रोमांचक पर्वतीय सफर छल ! लागि रहल छल साक्षात स्वर्ग क दर्शन भ रहल अछि ! हरपाल टेप रीकॉर्डर सँ गुरुवाणी सुनैत जा रहल छल ! हमरो सब आनंद उठा रहल छलहूँ ! जानकीचट्टी पर हम सब उतरि गेलहूँ ! हम त अपना लेल खच्चर लेलहूँ आ कृष्णकान्त बाबू सहो एकटा खच्चर लेलनि ! आ राहुल जी ,आभा ,आशा आ स्रोत पैरे ओहि ठाम पहुँचलाह ! पूजा अर्चना आ गर्म कुंड मे स्नान करि पुनः वापस बरकोट आबि गेलहूँ !
बरकोट सँ हरसिल
============
31 मई 2011 केँ हमसब अद्भुत प्रकृति छटा आ सुंदर दृश्य हरसिल मे देखलहूँ ! हरसिल उत्तराखंड क भगरथी गंगा क 2620 मीटर समुद्रतल क सतह सँ ऊपर स्थित छल ! हरसिल क सौदर्य क आनंद लेलहूँ आ ओहि ठामक सुंदर SHIVALIK HOTEL मे एक राति बितैलहूँ !
हरसिल सँ गंगोत्री आ वापस उत्तरकाशी
==========================
01 जून 2011 केँ भोरे हमसब हरसिल सँ चलि पड़लहूँ गंगोत्री क दिसँ ! गंगोत्री मात्र 72 किलोमीटर छल ! गंगोत्री मंदिर जे भागीरथी गंगा क कात मे छल ! पूजा अर्चना केलहूँ आ वापस उत्तरकाशी लंबा यात्रा क पश्चात HOTEL SHIVLINGA मे राति बितैलहूँ !
उत्तरकाशी सँ गुप्तकाशी
================
02 जून 2011 केँ हमसब गुप्तकाशी क दिसँ निकलि पड़लहूँ ! इ यात्रा 220 किलोमीटर क छल परंच एतुका प्राकृतिक दृश्य क सौन्दर्य देखि केँ शरीरक सम्पूर्ण ठेही बुझु बिला गेल ! भरि रास्ता हमरा लोकनि खूब मनोरंजन केलहूँ ! मुदा धारसू क मार्ग मे भूस्खलन भ गेल रहय ! हमर कार कुछु घंटा लेल वाधित भ गेल छल ! कुछु देर क बाद सब ठीक भ गेल आ देखैत -देखैत हमसब गुप्तकाशी पहुँचि गेलहूँ ! एतय होटल नहिं स्नो टेंट लगा केँ अद्भुत होटल बनाओल गेल छल जकरा VIP NIRWANA CAMP नाम सँ लोक जनैत छल ! स्वर्गलोक लागि रहल छल ! हमरा लोकनि तीनटा टेंट ल लेने छलहूँ !
गुप्तकाशी सँ केदार नाथ
==================
03 जून 2011 केँ भोरे CAMP सँ विदा भ निकलि पड़लहूँ ! ओना गुप्तकाशी सँ केदारनाथ क गौरी कुंड 30 किलोमीटर अछि ! फेर गौरीकुंड सँ पैरे खड़ी चड़ाई 14 किलोमीटर चलय पड़ैत अछि ! केदारनाथ 3584 मीटर समुद्रतल सँ ऊपर अछि ! एहिठाम ऑक्सीजन क कमी छैक ! राहुल जी आ हमर पुत्री पैरे केदारनाथ पहुंचलिह ! आशा डोली पर चढ़ि केँ गेलीह ! हम तीनू हेलिकोपटर सँ केदार नाथ पहुँचलहूँ ! पूजा अर्चना हमसब केलहूँ ! राति HOTEL GAYATRI BHAVAN मे ठहरबा क इंतजाम छल ! केदारनाथ 12 ज्योतिर्लिंग मे सँ एक छथि !
केदारनाथ सँ रुद्रप्रयाग
================
04 जून 2011 केँ जहिना केदार नाथ पहुँचल छलहूँ तहिना वापस नीचा आबि फेर गुप्तकाशी होइत हमसब रुद्रप्रयाग क दिसँ चलि पड़लहूँ ! मंदाकिनी आ अलकनंदा नदी क कात मे रुद्रप्रयाग बसल अछि ! ओहि ठामक MONAL RESORT मे रहनाय बुझु मन आनंदित भ गेल !
रुद्रप्रयाग सँ बद्रीनाथ
================
05 जून 2011 केँ हमसब 165 किलोमीटर यात्रा क केँ बद्रीनाथ पहुँचलहूँ ! इ 3133 मीटर समुद्रतल सँ ऊपर अछि आ नर- नारायण पर्वत क शृंखला बद्रीनाथ धाम क प्रहरी बनल अछि ! हमसब HOTEL NARAYAN PALACE मे ठहरलहूँ ! पूजा- अर्चना हमरा लोकनि केलहूँ ! दोसर दिन भोरे -भोरे हमसब MANA VILLAGE क दर्शन केलहूँ ! इ भारतक अंतिम गाँव अछि ! एकरा बाद चीन !
बद्रीनाथ सँ जोशीमठ /पिपलकोटी
=======================
06 जून 2011 भोरे हमर सबारी चलि पड़ल जोशीमठ ! अद्भुत दृश्य ,पहाड़ सँ घिरल आ महापुरुष क मठ सब तरि पसरल छल ! ठामे -ठामे आर्मी कैम्प ,शहर ,बाजार लागल छल ! ठीक 85 किलोमीटर पर पिपलकोटी मे HOTEL LE MEADOWS मे ठहरबा क छल ! जोशीमठ मे सब सुविधा उपलब्ध छल ! प्रत्येक स्थान क लेल बस सर्विस क बंदोबस्त छल !
पिपलकोटी सँ ऋषिकेश
=================
07 जून 2011 केँ ऋषिकेश आबय क छल ! इ यात्रा 8 घंटा क छल ! ड्राइवर हरपाल सिंह एकटा कुशल वाहान चालक सिद्ध भेल ! वो श्रीनगर आ देवप्रयाग क बीच मे हमरा लोकनि केँ गुरुद्वारा ल गेल ! ओतय गुरुग्रंथ साहिब क दर्शन केलहूँ आ लंगर क प्रसाद ग्रहण केलहूँ ! ऋषिकेश मे सहो 5 स्टार HOTEL NARAYANA क इंतजाम छल ! श्रोत आ राहुलजी त स्विमिंग पूल क भरपूर आनंद उठोलनि ! आ एहिना चारो धाम क यात्रा समाप्त क केँ दिल्ली क लेल प्रस्थान केलहूँ !
ऋषिकेश -हरिद्वार सँ दिल्ली
=======================
08 जून 2011 केँ भोरे हमसब हरिद्वार होयत दिल्ली क दिसँ चलि पड़लहूँ ! इ दूरी 250 किलोमीटर छल ! समय 7-8 घंटा लागिये जायत ! हम सब हँसैत -गबैत अपन मंजिल क दिसँ बढ़ल जा रहल छलहूँ ! साँझ भ गेल छल ! दिल्ली क चहलकदमी आ रोशनी क जगमगाहट एक विजय पर्व क एहसास दिया रहल छल ! एहि तरहें चारि – धाम क दिव्य झलक देखबा क भेटल जे आजन्म स्मृति मे घूमैत रहत ! दिव्य देवभूमि केँ सदैव नमन करैत छी !!
=====================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस .पी .कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत
24.08.2023

271 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
तुम आ जाओ एक बार.....
तुम आ जाओ एक बार.....
पूर्वार्थ
नरसिंह अवतार
नरसिंह अवतार
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
रो रो कर बोला एक पेड़
रो रो कर बोला एक पेड़
Buddha Prakash
*जिंदगी-नौका बिना पतवार है ( हिंदी गजल/गीतिका )*
*जिंदगी-नौका बिना पतवार है ( हिंदी गजल/गीतिका )*
Ravi Prakash
यादें
यादें
Dinesh Kumar Gangwar
🥀 *अज्ञानी की कलम*🥀
🥀 *अज्ञानी की कलम*🥀
जूनियर झनक कैलाश अज्ञानी झाँसी
चार दिन की जिंदगी
चार दिन की जिंदगी
Karuna Goswami
Ranjeet Shukla
Ranjeet Shukla
Ranjeet Kumar Shukla
श्रावणी हाइकु
श्रावणी हाइकु
Dr. Pradeep Kumar Sharma
प्रकृति
प्रकृति
Monika Verma
तारीफों में इतने मगरूर हो गए थे
तारीफों में इतने मगरूर हो गए थे
कवि दीपक बवेजा
"सैनिक की चिट्ठी"
Ekta chitrangini
गृहणी का बुद्ध
गृहणी का बुद्ध
पूनम कुमारी (आगाज ए दिल)
कोई मरहम
कोई मरहम
Dr fauzia Naseem shad
ईश्वर
ईश्वर
लक्ष्मी वर्मा प्रतीक्षा
राज्यतिलक तैयारी
राज्यतिलक तैयारी
Neeraj Mishra " नीर "
पुष्प
पुष्प
Dhirendra Singh
मेघ गोरे हुए साँवरे
मेघ गोरे हुए साँवरे
Dr Archana Gupta
हुआ दमन से पार
हुआ दमन से पार
विनोद वर्मा ‘दुर्गेश’
सत्य की खोज
सत्य की खोज
Sidhartha Mishra
अपूर्ण नींद और किसी भी मादक वस्तु का नशा दोनों ही शरीर को अन
अपूर्ण नींद और किसी भी मादक वस्तु का नशा दोनों ही शरीर को अन
Rj Anand Prajapati
जिस दिन कविता से लोगों के,
जिस दिन कविता से लोगों के,
जगदीश शर्मा सहज
आंखो ने क्या नहीं देखा ...🙏
आंखो ने क्या नहीं देखा ...🙏
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
ਸ਼ਿਕਵੇ ਉਹ ਵੀ ਕਰਦਾ ਰਿਹਾ
ਸ਼ਿਕਵੇ ਉਹ ਵੀ ਕਰਦਾ ਰਿਹਾ
Surinder blackpen
शिमला, मनाली, न नैनीताल देता है
शिमला, मनाली, न नैनीताल देता है
Anil Mishra Prahari
■ चाल, चेहरा और चरित्र। लगभग एक सा।।
■ चाल, चेहरा और चरित्र। लगभग एक सा।।
*प्रणय प्रभात*
Experience Life
Experience Life
Saransh Singh 'Priyam'
कतौता
कतौता
डॉ० रोहित कौशिक
मेरे हमदर्द मेरे हमराह, बने हो जब से तुम मेरे
मेरे हमदर्द मेरे हमराह, बने हो जब से तुम मेरे
gurudeenverma198
दोहा
दोहा
गुमनाम 'बाबा'
Loading...