Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
5 May 2024 · 1 min read

प्रश्न चिन्ह

ओऽ कालखंड अतिकाय
विदेहि वेदान्त परिचय
प्रश्नक चिन्ह बहुते रास
इतिहास युद्धविराम की !

तोरी ओठ मधुर वाणी
कीयै बलम परदेशी
ओऽ मधु घटा घनघोर
मंदिरमे भरि भरि अँजुरी !

जुग जुग आरो जुगे जुगे
दादीमाँ अर्पित करति
मातृिकें सिनेह दुलार
संस्कार आओर संस्कृति !

नर नारी आ नारायण
भक्ति संग ओतप्रोत
जे सभ्य त्रिदेव संस्कार
मुदा,घटना प्रकाशमे

रसिक तों टीका सेनूर
नयन नाहि लागै नजर
आब बहुते दिन खातिर
बलम जादू दैलें हमर ?

श्रीहर्ष आचार्य

Loading...