Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
23 Jul 2023 · 1 min read

चीरहरण

चीरहरण।
-आचार्य रामानंद मंडल।

आइयो माछ लिखब।
पान आ मखान लिखब।
राजा रानी के गुनगान लिखब।

आइयो गांजा लिखब।
भांग आ मदिरा लिखब।
बाभन आ सोलकन्ह के परिचय लिखब।

आइयो धरम लिखब।
छल कपट के मान लिखब।
धूर्त आ बलतकारी के शान लिखब।

आइयो धृतराष्ट्र बनब।
भीष्म आ द्रोण के मान लिखब।
दुर्योधन आ दु:शासन के गान लिखब।

आइयो मणिपुर देखब।
आदिवासी आ दलित के नग्न देखब।
रामा द्रौपदी के चीरहरण आ बलतकार देखब।

-आचार्य रामानंद मंडल सामाजिक चिंतक सह साहित्यकार सीतामढ़ी।

Loading...