Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
12 Jan 2022 · 2 min read

” तथापि हम नहि सुधरब”

( व्यंग )
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल”
===================
अद्भूत यंत्र हमरा भेटि गेल ! बैसल -बैसल इएह सब त हम करइत रहित छी ! कखनो फ़ेसबुक देखलहूँ ….कखनहूँ व्हाट्सएप्प केँ निहारलहुं ……यदाकदा मैसेंजर एप्प केँ देखलहुँ …….विडिओ कालिंग पर सेहो मन खूब लागल …..टेलीफोनक गप्प त पुछू नहि लागल छी त लगले छी ……सब चीज हमरा भेट गेल ! ……..आब त एनरोइड मोबाइल हमर घेटक घंटी भऽ गेल ………पहिने मित्रता बनबय लेल। …नौ डिबिया तेल जरबय। ..पड़ैत छल आब त हम ताल ढोकि सहस्त्रो मित्र केँ अपना बटालियन मे भर्ती क लइत छियनि ! कियो किछु लिखथू हमरा ……स्नेह भरल पत्रे किया नहि लिखथु ?……हमरा कतय फुरसत जे हुनका जबाब देबनि ? ……हम त मात्र लोकक पोस्ट शेयर करैत छी …… रहल -सहल जे बेसी कियो लिखता हुनका लेल हम विभिन्य भंगिमा बला फोटो साटि देबनि !…… प्रणाम …अभिवादन ..नीक ..अधलाह इत्यादि लिखैत -लिखैत हम तबाह भ गेल छी !…… इ त धन्यवाद देबनि हम द्रोणाचार्य गूगल महोदय केँ जे उपरोक्त भंगिमा केँ फोटो बना पठा देने छथि …….ओकरा “ग़िफ “कहल गेल अछि ! …..नीक भेल ….त ताली बला फोटो ……कखनहूँ ठेंगा देखा देलहुँ ……प्रणाम शब्द हम लिखि नहि सकैत छी त की प्रणाम बला फोटो सँ प्रणाम नहि भेल ?…….हम त इएह आग्रह करबनि गूगल बाबा सँ जे कोनो तेहन गिफ़ दिय जे बिना प्रयत्न केने हम कौरव सैन्य संगठन क सकि !…….मित्र बनि गेलाह …….ओ बनौलन्हि वा हम बनेलहुँ ? आब त प्रश्ने नहि अछि कि……. के छोट छथि….. के पैघ ? हमरा की …..ओ कथू मे लागल रहथू …..हम मैसेंजर मे तंग करबनि ….आनक मंगलाहा चंगलाहा पोस्ट केँ टैग क देबनि ……..बिना पूछने कोनो ग्रुप मे सनिहा देबनि !.करताह की ?………बेसि सँ बेसि तंग आबि हमरा बहिष्कृत क देताह। …एतबे …..आर की क सकैत छथि ?…….तथापि हम नहि सुधरब !
======================================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका
झारखण्ड
भारत

Language: Maithili
Tag: लेख
387 Views

You may also like these posts

मोबाइल
मोबाइल
हिमांशु बडोनी (दयानिधि)
मडमिंग (गोंडी विवाह) की संकल्पना
मडमिंग (गोंडी विवाह) की संकल्पना
GOVIND UIKEY
फिर मुलाकात करेंगे ज़िंदगी से,
फिर मुलाकात करेंगे ज़िंदगी से,
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
दोस्ती
दोस्ती
Adha Deshwal
ग़ज़ल
ग़ज़ल
Seema Garg
माँ
माँ
Dr. Pradeep Kumar Sharma
कलम , रंग और कूची
कलम , रंग और कूची
Dr. Kishan tandon kranti
।।अथ श्री सत्यनारायण कथा तृतीय अध्याय।।
।।अथ श्री सत्यनारायण कथा तृतीय अध्याय।।
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
भिंगती बरसात में युँ ही बेचारी रात
भिंगती बरसात में युँ ही बेचारी रात
©️ दामिनी नारायण सिंह
रहिमन धागा प्रेम का
रहिमन धागा प्रेम का
Shashi Mahajan
नयकी दुलहिन
नयकी दुलहिन
आनन्द मिश्र
ग़ज़ल
ग़ज़ल
आर.एस. 'प्रीतम'
*परिमल पंचपदी--- नवीन विधा*
*परिमल पंचपदी--- नवीन विधा*
रामनाथ साहू 'ननकी' (छ.ग.)
खतरनाक आदमी
खतरनाक आदमी
Dr MusafiR BaithA
जो लोग असफलता से बचते है
जो लोग असफलता से बचते है
पूर्वार्थ
💐प्रेम कौतुक-563💐
💐प्रेम कौतुक-563💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
पुस्तक समीक्षा
पुस्तक समीक्षा " चुप्पी का शोर "
Shyam Sundar Subramanian
प्रेम तुझे जा मुक्त किया
प्रेम तुझे जा मुक्त किया
Neelam Sharma
हम श्रमिक
हम श्रमिक
श्रीकृष्ण शुक्ल
एहसासों को अपने अल्फ़ाज़ देना ,
एहसासों को अपने अल्फ़ाज़ देना ,
Dr fauzia Naseem shad
बस तुम लौट आओ...
बस तुम लौट आओ...
Harshit Nailwal
Ignorance is the shield
Ignorance is the shield
Chitra Bisht
*भारत माता के लिए , अनगिन हुए शहीद* (कुंडलिया)
*भारत माता के लिए , अनगिन हुए शहीद* (कुंडलिया)
Ravi Prakash
3267.*पूर्णिका*
3267.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
लाइफ का कोई रिमोट नहीं होता
लाइफ का कोई रिमोट नहीं होता
शेखर सिंह
संगीत का महत्व
संगीत का महत्व
Neeraj Agarwal
लिखावट - डी के निवातिया
लिखावट - डी के निवातिया
डी. के. निवातिया
गोमूत्र उपज बढ़ाने का सूत्र
गोमूत्र उपज बढ़ाने का सूत्र
Anil Kumar Mishra
#सम_सामयिक
#सम_सामयिक
*प्रणय*
शिव तेरा नाम
शिव तेरा नाम
Swami Ganganiya
Loading...