Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
19 Sep 2021 · 2 min read

” हमरो सासुर बदलि गेल “

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
=============

सासुरक स्वरूप बदलल,
लोको सब बदलि गेलाह !
नवका पुरान भेल ,
परिचित अपरिचित भेलाह !!
बदलि गेल उत्सुकता,
गाम मे “ओझा” एलाह !
पुरनका लोक आब कतय
के एलाह ..के गेलाह ?
सासुरक स्वरूप बदलल
लोको बदलि गेलाह !!

आंगन आब रहल नहि,
घर सब बदलि गेल !
सांझ दीप बन्दना लोक,
सब बिसरि गेल !!
पराति आ साँझक गीत,
गबैय्या आब विलुप्त भेलाह !
नवका पुरान भेल,
परिचित अपरिचित भेलाह !!
बदलि गेल उत्सुकता ,
गाम मे “ओझा” एलाह !
पुरनका लोक आब कतय ,
के एलाह ..के गेलाह ?
सासुरक स्वरूप बदलल
लोको बदलि गेलाह ! !

पहिने सौसें अनघोल ,
गाममे होइत छल !
ओझा मिसर चौधरी केँ,
सत्कार नीक होइत छल !!
हंसी ,ठठ्ठा ,प्रेम ,अनुराग,
करय बला कतय गेलाह ?
नवका पुरान भेल ,
परिचित अपरिचित भेलाह !!
बदलि गेल उत्सुकता ,
गाम मे “ओझा” एलाह !
पुरनका लोक आब कतय
के एलाह ..के गेलाह ?
सासुरक स्वरूप बदलल
लोको बदलि गेलाह !!

अध्ययन अध्यापनक ,
युग बुझु मलिन भेल !
ज्ञानक प्रकाशपुंज ,
सबटा बिलिन भेल !!
आब मधुर बोल सँ,
विलुप्त सब भ गेलाह !
नवका पुरान भेल,
परिचित अपरिचित भेलाह !!
बदलि गेल उत्सुकता ,
गाम मे “ओझा” एलाह !
पुरनका लोक आब कतय,
के एलाह ..के गेलाह ?
सासुरक स्वरूप बदलल
लोको बदलि गेलाह !!

बच्चा लोकनि मैथिली,
विहीन आब बनि रहल छथि!
माय-बाप दिल्ली-हिंदी,
हुनका सीखा रहल छथि !!
अप्पन -अप्पन मूढ़ता सँ,
नींव हुनक हिला गेलाह !!
नवका पुरान भेल ,
परिचित अपरिचित भेलाह !!
बदलि गेल उत्सुकता ,
गाम मे “ओझा” एलाह !
पुरनका लोक आब कतय ,
के एलाह ..के गेलाह ?
सासुरक स्वरूप बदलल,
लोको बदलि गेलाह !!

पान ,मखान, माछ सब,
बिसरि जाऊ एहन व्यंजन!
गुटखा,मटन,चिकेन
भांग लय केँ करू सेवन !!
नव पीढ़ी संक्रमण ग्रसित
अपना केँ बुझि रहला !!
नवका पुरान भेल ,
परिचित अपरिचित भेलाह !
बदलि गेल उत्सुकता,
गाम मे “ओझा” एलाह !!
पुरनका लोक आब कतय
के एलाह ..के गेलाह ?
सासुरक स्वरूप बदलल,
लोको बदलि गेलाह !!

हम त इएह बुझि कतेक,
दिनक बाद सासुर गेलहुँ!
पुरनके ओझा बला स्वयं ,
आभास हम करय लगलहुँ!!
मुदा हमरा सासुरक लोक,
नीक जकाँ चिन्हबो नहि केलाह !
नवका पुरान भेल,
परिचित अपरिचित भेलाह!
बदलि गेल उत्सुकता,
गाम मे “ओझा” एलाह !
पुरनका लोक आब कतय
के एलाह ..के गेलाह ?
सासुरक स्वरूप बदलल
लोको बदलि गेलाह !!

==============

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
शिविपट्टी
मधुबनी
बिहार

Language: Maithili
2 Likes · 2 Comments · 220 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
मौसम का मिजाज़ अलबेला
मौसम का मिजाज़ अलबेला
Buddha Prakash
गंदे-मैले वस्त्र से, मानव करता शर्म
गंदे-मैले वस्त्र से, मानव करता शर्म
महावीर उत्तरांचली • Mahavir Uttranchali
बिताया कीजिए कुछ वक्त
बिताया कीजिए कुछ वक्त
पूर्वार्थ
***
*** " तुम आंखें बंद कर लेना.....!!! " ***
VEDANTA PATEL
मैं प्यार के सरोवर मे पतवार हो गया।
मैं प्यार के सरोवर मे पतवार हो गया।
Anil chobisa
"
*Author प्रणय प्रभात*
मूकनायक
मूकनायक
मनोज कर्ण
💐प्रेम कौतुक-536💐
💐प्रेम कौतुक-536💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
** समय कीमती **
** समय कीमती **
surenderpal vaidya
इस दुनियां में अलग अलग लोगों का बसेरा है,
इस दुनियां में अलग अलग लोगों का बसेरा है,
Mansi Tripathi
एक शेर
एक शेर
Ravi Prakash
वर्तमान राजनीति
वर्तमान राजनीति
नवीन जोशी 'नवल'
"अजीब दस्तूर"
Dr. Kishan tandon kranti
जीवन को जीवन सा
जीवन को जीवन सा
Dr fauzia Naseem shad
*चैतन्य एक आंतरिक ऊर्जा*
*चैतन्य एक आंतरिक ऊर्जा*
DR ARUN KUMAR SHASTRI
अम्बे भवानी
अम्बे भवानी
Mamta Rani
प्रेस कांफ्रेंस
प्रेस कांफ्रेंस
Harish Chandra Pande
गीत लिखूं...संगीत लिखूँ।
गीत लिखूं...संगीत लिखूँ।
Priya princess panwar
सोचो अच्छा आज हो, कल का भुला विचार।
सोचो अच्छा आज हो, कल का भुला विचार।
आर.एस. 'प्रीतम'
चिंतन और अनुप्रिया
चिंतन और अनुप्रिया
सुशील मिश्रा ' क्षितिज राज '
मैं तो महज संघर्ष हूँ
मैं तो महज संघर्ष हूँ
VINOD CHAUHAN
बिना अश्क रोने की होती नहीं खबर
बिना अश्क रोने की होती नहीं खबर
sushil sarna
नारी
नारी
Prakash Chandra
सफर में हमसफ़र
सफर में हमसफ़र
Atul "Krishn"
खेत रोता है
खेत रोता है
डॉ०छोटेलाल सिंह 'मनमीत'
इस बुझी हुई राख में तमाम राज बाकी है
इस बुझी हुई राख में तमाम राज बाकी है
कवि दीपक बवेजा
ज़िदादिली
ज़िदादिली
Shyam Sundar Subramanian
गुरु मांत है गुरु पिता है गुरु गुरु सर्वे गुरु
गुरु मांत है गुरु पिता है गुरु गुरु सर्वे गुरु
प्रेमदास वसु सुरेखा
2482.पूर्णिका
2482.पूर्णिका
Dr.Khedu Bharti
" दूरियां"
Pushpraj Anant
Loading...