*लोकमैथिली_हाइकु*
१.
भिने बथान
समूहमे रमैए
कनही गाय!
२.
ताल बेताल
खुब धकरैए
हाथ सुथनी !
३.
ललका फित्ता
गर्दैनमें लटका
माछी मारैए !
४.
छै लालेलाल
लाले कपडा-गाल
मन छै काला !
५.
मुरूत ठाड
दोसरके छै आड
मुह चिकना !
#दिनेश_यादव
काठमाण्डू (नेपाल)
१४ जनवरी २०२४, सोमबार !