” भाषाक सम्मान “
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
=============
हम नहि कहि सकैत छी जे ,
हमर लिखल पढबेटा करू !
परन्तु ज्ञान गंगा मे डुबकी ,
लगेवा सं परहेज नहि करू !!
खुट्टा सं बान्हल माल -जाल ,
बफारि तोडैत क्रंदन करैछ !
वोहो सब अपन बंधन सं ,
मुक्तिक लेल प्रयास करैछ !!
हम किया इनारक बैंग रहब ,
स्वक्षंद रहि विश्व कें समेट लेब !
हम अंग्रेजीये टा नहि समस्त ,
भाषा कें अपना मे लपेट लेब !!
=======================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका