भगवती गीत
भगवती गीत
°°°°°°°°°
अंबे माता हमर माँ भवानी,
किये हमरा सॅऽ दूरी बनेलौं,
खोजी अएलहुँ, पहाड़ पर्वत माँ,
एक निशानों कतौ हम न पयलौ।
हम नॅऽ जनलौं हे माँ, भेल गलती कोना,
हम तॅऽ जानी एते, जे अहीं सॅऽ जहां।
ई तन-मन अहीं कॅऽ, ई सब धन अहींक,
ई जिवन समर्पण अहीं कॅऽ, हे माँ।
अपन ममता कॅऽ आँचल ओढ़ाके,
दूर हमरा किये माता कयलौं।
अंबे माता हमर माँ भवानी…..
पाठ पूजा करब, ध्यान निशि दिन धरब,
माता चरणों में हर पल लिपटल रहब।
आब आबियो तॅऽ जाउ,माता आब नॅऽ सताउ।
नै तॅऽ द्वारि पर हे माता, हम बैसले रहब,
अपना चरणों कॅऽ दास बनाकऽ,
धन्य जिवन हमर माँ बनैतौ ।
अंबे माता हमर माँ भवानी…..
मौलिक एवं स्वरचित
सर्वाधिकार सुरक्षित।
© ® निरुपमा कर्ण
पटना (बिहार)
तिथि – १६/०९/२०२१
मोबाइल न. – 8271144282