” फेस बुक क छः टा परमाणु बम “
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
==================
लाइक,लव, ,हाहा ,वो ,सैड आ एंग्री
छः टा अस्त्र हमरा फेस बूक मे भेट गेल ,
हम किया अनेरो आहाँक लेखनी पढ़ब ,
आ कोनो कमेंटो करब ?
जखन जेना हुए इएह अस्त्र क प्रयोग
अचूक अछि ,
भूल सँ जे कमेंट कियो कइयो देताह
हुनका ‘ थैंक यू ‘
लिखी देबनि !
हम इ नहि देखबनि
के हमरा सं श्रेष्ठ छथि
के हमरा सं पैघ छथि !
किनका सम्मान सूचक ‘श्रीमान’ कही !!
कियाक त फेस बुक मे सब मित्रे छथि ,
रहल सहल भूल चूक
हम नहि सुधारि सकैत छी !
एहिना हम छः ओ परमाणु कें संग रखैत छी !!
==============================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत