पेंटिग मे जीवंत चित्रणक रंग भरैत युवा चित्रकार रवीन्द्र दास.
पेंटिग मे जीवंत चित्रणक रंग भरैत युवा चित्रकार रवीन्द्र दास.
हम सब पत्रकारिता मे पढ़ने रही जे एक चित्र हज़ार शब्दक बरोबरि होइ छै. से वास्तवो मे रिपोर्टिंग काल फोटोग्राफी वा कैमरामैन संगे अइ गप धियान राखी जे समाचारक फोटो फुटेज एहेन होइ जे जीवंत होइ..
त एहने जीवंत चित्रण मे लागल छथि युवा चित्रकार रवीन्द्र दास जी..
पेंटिग के विभिन्न विधा मोडर्न आर्ट, भित्ति चित्र, कैनवास पेंटिग आदि मे रवीन्द्र जीक नीक रंग भरैत अछि..आ हिनकर बनाउल पेंटिग सब बेस भावात्मक, जीवंत आ आकर्षक लागत.
मिथिलांचल टुडे पत्रिका लेल सेहो दास जी एक पर एक पेंटिग कथा अनुरूप बनौने रहथि आ पाठक वर्गक सराहना सेहो भेटैत रहल. दास जी के कतेक पेंटिग सब हुनका फेसबुक वाॅल स भेटैत रहल..ओकरा देखल बुझल त एकदम जीवंत अद्भुत रंग उकेरने छथि.
दास जी के पेंटिग मे सबरंग भेटत जे विभिन्न मनोभाव, प्रकृति, समाज, मानव जीवन आदि स जुड़ल आ स्पष्ट चित्रण देखाएत..
हम त चित्रकला के ओतेक पारखी नैह तइओ पत्रकार समीक्षक हेबाक दुआरे युवा चित्रकार रवीन्द्र दास जी के पेंटिग कला पर अपन विचार रखलहुँ.. मिथिला मे सेहो आर्ट एक्जबिसन करा युवा चित्रकार सब के मनोबल बढ़ेबा मे हमरा सब डेग आगाँ बढ़ाओल जा सकैए.
©डाॅ. किशन कारीगर
नई दिल्ली