Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
6 Feb 2023 · 1 min read

धूर अहा बरद छी (मैथिली व्यङ्ग्य कविता)

दोसरेके लेल बहब,
खुट्टामे बानहल रहब,
कुट्टीसानी लेल टुकुर–टुकुर ताकब,
मलिकवाक दाना लेल कच्छर कातब,
डिरिएबाक आदत बनाएब,
तिरपित ओहीमे रहब,
झुठ नई छै शनिश्चराक कहब–
धूर अहा बरद छी ।१।

बधिया त पहिने भ गेल,
बच्छाक जामाना गेल,
साढ बनाबक समय सेहो गेल,
मर्खाहा बनबाक नई करु झेल,
टाइरमे बहब जमाना गुजैर गेल,
खैर–दाना बिना लार–पुआर खाएब,
झूठ नई छै शुक्राके कहब–
धूर अहा बरद छी ।२।

घेंचमे लागल गरदामी,
ओईमे लटकल डोरी,
कहियौ औतैह लागल कौडी,
सिंहमे तेल मालिस तोडी,
अई सिंगारक नई कुनू जोडी,
जोतबालेल तयार रहब,
झुठ नई छै बृहस्पतियाक कहब–
धूर अहा बरद छी ।३।

आँखि बन्द कोलमे घुमै,
कहियो झपकैत–झपकैत हर तानै,
सदखनि जुआ आ पालो बहै,
जोतहा जब पुच्छ पकडै,
अरे आह–आह कहैत अइठै
कान फडफराबैत मुडि हिलाएब,
झुठ नई छै बुधनाक कहब–
धूर अहा बरद छी ।४।

कांढिसं इलाजक आदि,
अपना पर मूँहमे जाबी,
दूसराक बालि पर हाबी,
ढोकनासं निकलत बदमासी,
बेसी कसबाकलेल नाथि,
तइयौ जुवाली सहबे करब,
झुठ नई छै मंगालाक कहब–
धूर अहा बरद छी ।५।

लांधी खाली रहत,
पेटके लेल डिरियाबै पडत,
मलिकबा त जोतेबे करत,
दयाभावसँ मलिकाइन पुवार ओगरत,
गोबरकर्सी अपन मर्जीसँ उठाएत,
ठूठ पुच्छ हिला–हिलाके कुकुरमाछी भगाएब
झूठ नई छै सोमनाके कहब–
धूर अहा बरद छी ।६।

कतबो दौनि घुमब,
तइयो पेनी खाएब,
कहियो गोला कहाएब,
सिलेबिया सेहो कहाएब,
जौ नई बहब, त बुढवा कहाएब,
नियति बनल मालिकके खुश करब,
झुठ नई छै रवियाके कहब–
धूर अहा बरद छी ।७।

Language: Maithili
1 Like · 581 Views
Books from Dinesh Yadav (दिनेश यादव)
View all

You may also like these posts

मशाल
मशाल
नेताम आर सी
!...............!
!...............!
शेखर सिंह
"स्कूल बस"
Dr. Kishan tandon kranti
छल करने की हुनर उनमें इस कदर थी ,
छल करने की हुनर उनमें इस कदर थी ,
Yogendra Chaturwedi
सवाल
सवाल
Ruchi Sharma
कान्हा भक्ति गीत
कान्हा भक्ति गीत
Kanchan Khanna
सच्ची मोहब्बत नहीं अब जमीं पर
सच्ची मोहब्बत नहीं अब जमीं पर
gurudeenverma198
*करता है मस्तिष्क ही, जग में सारे काम (कुंडलिया)*
*करता है मस्तिष्क ही, जग में सारे काम (कुंडलिया)*
Ravi Prakash
सगळां तीरथ जोवियां, बुझी न मन री प्यास।
सगळां तीरथ जोवियां, बुझी न मन री प्यास।
जितेन्द्र गहलोत धुम्बड़िया
23/174.*छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
23/174.*छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
शब्द भावों को सहेजें शारदे माँ ज्ञान दो।
शब्द भावों को सहेजें शारदे माँ ज्ञान दो।
Neelam Sharma
हम तुम और वक़्त जब तीनों क़िस्मत से मिल गए
हम तुम और वक़्त जब तीनों क़िस्मत से मिल गए
shabina. Naaz
पंख
पंख
पूनम 'समर्थ' (आगाज ए दिल)
🙏 माता रानी की वंदना 🙏
🙏 माता रानी की वंदना 🙏
umesh mehra
आह्वान
आह्वान
Shyam Sundar Subramanian
नवरात्रि के इस पवित्र त्योहार में,
नवरात्रि के इस पवित्र त्योहार में,
Sahil Ahmad
विचार
विचार
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
..
..
*प्रणय*
राम की मंत्री परिषद
राम की मंत्री परिषद
Shashi Mahajan
Harmony's Messenger: Sauhard Shiromani Sant Shri Saurabh
Harmony's Messenger: Sauhard Shiromani Sant Shri Saurabh
World News
क्यों मूँछों पर ताव परिंदे.!
क्यों मूँछों पर ताव परिंदे.!
पंकज परिंदा
तुम,दर-दर से पूछ लो
तुम,दर-दर से पूछ लो
Inder Bhole Nath
कठिनताओं की आवाजाही हीं तो, जीवन को लक्ष्य से मिलवाती है।
कठिनताओं की आवाजाही हीं तो, जीवन को लक्ष्य से मिलवाती है।
Manisha Manjari
सफ़र
सफ़र
Kush Dogra
अक्सर हम ज़िन्दगी में इसलिए भी अकेले होते हैं क्योंकि हमारी ह
अक्सर हम ज़िन्दगी में इसलिए भी अकेले होते हैं क्योंकि हमारी ह
पूर्वार्थ
धन, दौलत, यशगान में, समझा जिसे अमीर।
धन, दौलत, यशगान में, समझा जिसे अमीर।
Suryakant Dwivedi
अर्थ के बिना
अर्थ के बिना
Sonam Puneet Dubey
रावण जल जाता
रावण जल जाता
surenderpal vaidya
कैसै कह दूं
कैसै कह दूं
Dr fauzia Naseem shad
आज का युवा कैसा हो?
आज का युवा कैसा हो?
Rachana
Loading...