“दुमका संस्मरण 3” परिवहन सेवा (1965)
डॉ. लक्ष्मण झा परिमल
================
दुमका मे बस चलैत छल, मुदा एकर संख्या कम होइत छल ! “वन्दे मातरम बस” आ दोसर “विजय भारत” बस भागलपुरक लेल चलैत छल। रामपुरहाट, जामताड़ा, देवघर, गोड्डा, साहिबगंज, पाकुड़ आ चारूकात बस जाइत छल, मुदा एक्के -दूटा ! ओहि समय मे निजी बस अड्डा वर्तमान “वीर कुंवर सिंह चौक” वा सिंधिया होटल चौक दुमका कहचरीक लग होइत छल। गोला मार्केटक बगलमे स्वर्गीय रामजीवन हिम्मत सिंहक एकटा पेट्रोल पम्प रहैत छल जतय सँ भागलपुर लेल हुनकर बस “वन्दे मातरम्” चलैत छल। आ दोसर बस सब बस स्टॉप सँ चलैत छल ! भागलपुरक किराया एक रुपया छल आ बच्चा सभकेँ आठ आना (५० पैसा) देबय पड़ैत छलैक । सड़क सभ जीर्ण-शीर्ण स्थिति मे छल। भागलपुर पहुँचबा मे मात्र ९ घंटा लगैत छल । गाड़ी रस्ते -रास्ते सभ यात्री के उठा लैत छल । रास्ता मे कियो यात्री अपन हाथ दैखबैत छलाह त संवाहक बस रौकि केँ बैसा लैत छल ! अधिकांश सड़क माटि वला छल। शहर मे चारिटा टमटम सहो रहय । रसूल आ हबीबाक टमटम पर बैसनाइ बहुत गर्वक गप छल! किछु दिनक बाद तेलीपाडा क राजू मण्डल रिक्शा निकालक ,तखने सँ दुमका मे रिक्शा क प्रचलन प्रारंभ भेल । कार, स्कूटर, बाइक आ जीप त ओहि समय मे गर्वक विषय छल ! बहुत कम लोक लग तखन साइकिलो रहय । अधिकांश अधिकारी लोकनि पैरे अपन कार्यालय जाइत छलाह ! ध्वनि प्रदूषण आ वायु प्रदूषणक कोनो समस्या नहि छल ! हमर दुमका शहर जंगल आ पहाड़क बीच मे मंगल मनबैत छल !
एहि अवधि क मध्य मे परिवहन सेवाक विस्तार होमय लागल आ बिहार राज्य परिवहन सेवा दुमका टाउन पुलिस स्टेशन आ प्रधान डाकघर लग एकटा बस अड्डा आ डिपो खोललक। आ हम दुमकावासी सीमित संसाधनक बीच निजी आ सरकारी बसक आनन्द लैत रहलौहूँ !
=====================
डॉ. लक्ष्मण झा “परिमल”
साउन्ड हेल्थ क्लिनिक
एस.पी. कॉलेज रोड
दुमका
08.08.2023