गजब ताल(बाल कविता)
कोन गाछ बौआ, चन्ना मामा लटैक गेलै
कौआ देखैलियौ बौआ, नैय हंसि देलै
मामी बंनरीया अंगुलि द ,बौआ कें ठऐक देलै
मामा बंनरा हमर बौआ कें गोदी में लेले
बिल्ली तोर मौसी, बौआ डेराबौ तोरा
कनिया बनल मौसा, बौआ हंसाबौ तोरा
भालू तोर काका, बौआ कनाबौ तोरा
काकी करकिबी हमर बौआ गोदी में लेले
बडका भैया बानर नाच ,बौआ देखाबौ तोरा
माय तोरा गोदी में बौआ, लोरी सुनाबौ तोरा
पापा कीनि आनि लउता बौआ , खिलौना तोरा
बौआ खूब हंसि हंसि ठहाका देला मोरा
मौलिक एवं स्वरचित
© श्रीहर्ष आचार्य