कि हम आजाद छी?
कि हम आजाद छी?
हम आजाद छी।
राजनीतिक आजाद छी।
धार्मिक आजाद छी।
अभिव्यक्तिक आजाद छी।
कि हम आजाद छी?
कि सामाजिक आजाद छी?
कि आर्थिक आजाद छी?
कि हम आजाद छी?
कि जातीय विसमता सं आजाद छी?
कि आर्थिक विसमता सं आजाद छी?
कि हम आजाद छी?
कि उच्च -नीच सं आजाद छी?
कि छूआ -छूत सं आजाद छी?
कि हम आजाद छी?
कि धनी -गरीब सं आजाद छी?
कि घर -बेघर सं आजाद छी?
कि हम आजाद छी?
कि भूमिपति -भूमिहीन सं आजाद छी?
कि शिक्षा -अशिक्षा सं आजाद छी?
कि हम आजाद छी?
कि रोजगारी -बेरोजगारी सं आजाद छी?
कि पोसन -कुपोसन सं आजाद छी?
हम आजाद छी।
कि हम आजाद छी?
रामा कि हम आजाद छी?
स्वरचित @सर्वाधिकार रचनाकार।
-आचार्य रामानंद मंडल सामाजिक चिंतक सह साहित्यकार सीतामढ़ी।