” कहू त एहनो कुठाराघात ?”
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
====================
माँ सरस्वती पूजाक धूमधाम दुमका शहरक दोग दोग मे भऽ रहल छल ! साँझ मे हम दुनु गोटे दर्शनक भांज मे निकलहूँ ! यज्ञ मैदान मे डिजनी मेला लागल छल ! हमरा लोकनि मेलाक आनंद लऽ रहल छलहूँ ! कनि मन केलक मोबाइल देखि ली ! देखैत मिजाज सुन्न भऽ गेल ! ओहि दिन ओहि अवसर पर माँ सरस्वती जी क बन्दना लिखने रही ! ” बीणा है तेरी हाथों में ………..” देखैत छी एकटा फेसबुक मित्र श्रीमान लव कुमार मिश्र सेवानिवृत देवघर निवासी हमर कविता मे अप्पन नाम लिखि फेसबुक मे पोस्ट केने छथि ! छः मास पहिने हुनकर इक्छा छलनि हमरा सं भेंट करबाक ! आमंत्रित सेहो केलियनि ,सत्कार अतिथि देवो भवः वला हुनक भेलनि ! …मुदा जखन अन्तरालक बाद एहन कुठारघात भेल तखन मन विचलित भऽ गेल ! ….पुछलियानि ..त क्षमा मंगलाह !….मुदा कहू त एहनो कुठाराघात ?
===========================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका