अवध स’ आबू ने श्रीराम…
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
अवध स’ आबू ने श्रीराम
सुखद नयन अभिराम
विजयादशमी अहां मनाएब
एहिबेर मिथिलाधाम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
रम्य मनोहर अयोध्या नगरी
उजरल अइ मिथिलाधाम
सीता मां के नगरी दहि गेल
भक्ति शक्ति श्रीधाम
अवध स’आबू ने श्रीराम…
नदी उफनल अइ ह’ ह’ कऽ के
नहिं,रहि गेल कोनो काम
घर खसैये, पूल बहैये
मचल सगरो त्राहिमाम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
झहर झहर झहरैय बरखा
सिहरि उठैये प्राण
खेत पथार म’ नञ अइ उपजा
कोना करब इन्तिजाम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
सांप बिच्छू आ दुष्ट कनगोजर
घुमैत अइ दायं वाम
भादो आश्विन के अन्हार कुप्प में
कोना करब विश्राम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
टाट फड़क आ बाध वोन सभ
उजरल अइ अहिठाम
भेल पलायन जन-जन मिथिला
भटैक रहल सभ ठाम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
रोग-शोक आ भूख-गरीबी
पसरल अइ अहिठाम
फाटल वस्त्र में कनिया पुतरा
जपि रहल अछि सियाराम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
अहां छी पाहुन मिथिला नगरी
विराजू सियासंग राम
चारु भाई संगहि आयब
एहिबेर मिथिला धाम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
चकमक चकमक सरयु तट पर
अहां कऽ आश्रम धाम
दया दृष्टि कनि सासुरो पर दियौ
अहां कऽ अनुपम नाम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
वाण मंत्र से सिद्ध करायब
मां दुर्गा के नाम
विजयादशमी में रावण मारब
एहिबेर मिथिला धाम
अवध स’ आबू ने श्रीराम…
मौलिक एवम स्वरचित
सर्वाधिकार सुरक्षित
© ® मनोज कुमार कर्ण
कटिहार ( बिहार )
तिथि – ०३/१०/२०२४ ,
आश्विन, शुक्ल पक्ष,प्रतिपदा ,गुरुवार
विक्रम संवत २०८१
मोबाइल न. – 8757227201
ई-मेल – mk65ktr@gmail.com