अयलै_साओनके_समैया(गीत)
अयलै_साओनके_समैया
सावनके अयलै समैया हो भैया पूजाके अयलै समैया।
बलहा घाटसँ जल भरि लायब
भेरवामे बाबा उगनाकें चढ़ायब
जल संग धथूर वेलपत्र हो भैया सावनकें अयलै समैया।
सुल्तानगंजसँ जल भरि लायब
देवघरमे बाबा भोला कें चढ़ायब
जल संग धथूर वेलपत्र हो भैया सावनकें अयलै समैया।
गंगा नदीसँ जल भरि लायब
काशीमे बाबा विश्वनाथकें चढ़ायब
जल संग धथूर वेलपत्र हो भैया सावनकें अयलै समैया।
कमला नदी सँ जल भरि लायब
कपलेसरमे बाबा शिव के चढ़ायब
जल संग धथूर वेलपत्र हो भैया सावनकें अयलै समैया।
गंगा नदीसँ जल भरि लायब
सोनपुर मे हरिहरनाथ कें चढ़ायब
फूल संग धथूर वेलपत्र हो भैया सावनकें अयलै समैया।
शिप्रा नदी सँ जल भरि लायब
उज्जैन में महाकाल के चढ़ायब
जल संग धथूर वेलपत्र हो भैया सावनकें अयलै समैया।
डाक्टर जय नारायण गिरि “इन्दु”
~~~~~~~~~~