Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
29 Jun 2022 · 4 min read

“ सज्जन चोर ”

( यात्रा -संस्मरण )
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल”
==================

विशाल हावड़ा रेल्वे स्टेशन आ ओतुका भीड़ देखि हम अचंभित छलहूँ ! गप्प इ नहि छल
कि आइये एहिठाम भीड़ उमडि पड़ल रहए ! एहिना हमरा लागि रहल छल ! लगातार उद्घोषणा
लाउड स्पीकर सँ भ रहल छल ! सब दिश कोलाहल भ रहल छल ! सब ट्रेनक गंतव्य स्थान हावड़ा अछि आ एहिठाम सँ सम्पूर्ण दिशा दिश ट्रेन चलैत अछि ! बद्द सावधान रहबाक आवश्यकता अछि ! नजर हटल कि लोटिया चित्त ! आहाँ किछु क’ लिय, चुरायल सामान कथमापि नहि भेटि सकैत अछि !

इ बात 19 मई 1993 क अछि ! हम कमांड अस्पताल (पूर्वी कमांड) अलीपुर ,कलकत्ता मे कार्यरत छलहूँ ! सैनिक अस्पताल जम्मू सँ 11 फ़रवरी 1993 मे हमर स्थानांतरण भेल छल !
बच्चा आ कनियाँ सब जम्मूये मे रहि रहल छलिह ! हुनके सब केँ आनक लेल हमरा 20 दिनक छुट्टी भेटल छल !

स्टेशन बस हमरा हावड़ा स्टेशन छोड़ देलक ! पता लागल हमर ट्रेन “ हिमगिरि एक्स्प्रेस ” प्लेटफॉर्म संख्या 3 सँ खुजत ! 45 मिनट् पहिने ट्रेन प्लेटफॉर्म पर लगि गेल ! सामान कोनो खास हमरा लग नहि छल ! हमरा लग एकटा बैग और एकटा छोटकी सन ब्रीफ़ केस रहय !

हमर आरक्षण एम 0 सी 0 ओ 0 कोटा क माध्यम सँ भेल छल ! ए 0 सी 0 2nd कम्पार्ट्मन्ट मे हमर लोअर सीट छल ! हमर बर्थ क ऊपर वला यात्री सहो जम्मू जा रहल छलाह ! सोझा ऊपर नीचा दूनू एके परिवारक लोक रहथि ! साइड लोअर वला अंबाला कैंट और साइड अपर वला चक्की ब्रिज ( पठानकोट ) जा रहल छलाह ! ट्रेन पर बेसैत सबभक अपन – अपन गप्प प्रारंभ भ गेल !

इ छोट सन कम्पार्ट्मन्ट बुझू किछु क्षणक लेल एकटा अद्भुत समाज क रचना क देने हुये ! हमरा लोकनि अधिकाशतः प्रायः -प्रायः एहि बोगी में फौजी छलहूँ ! कियाक त सभक वार्तालाप सँ अनुमान लागि रहल छल ! मुदा ट्रेने छल ,किछु अन्य यात्री क समावेश स्वाभाविक छल !

“हिमगिरि” ठीक समय पर सीटी देलक आ क्षण में पटरी पर दोगय लागल! देखैत- देखैते बर्धमान पहुँच गेल ! टी 0 टी 0 इ 0 एलाह आ सभक टिकटक निरीक्षण केलनि ! पता लागल रातिये -राति आसनसोल ,जसीडीह आ भोरे पटना पहुँचि गेल ! पटना क बाद हमलोकनि आर लोक सब सँ घुलि -मिलि गेलहूँ !

किछु देरक पश्चात उत्तर प्रदेश क सीमा मे “हिमगिरी “ प्रवेश कर केलक ! देखैइत – देखैइत हमरा लोकनि लखनऊ स्टेशन पहुँचि गेलहूँ ! लखनऊ स्टेशन चारबाग मे स्थित अछि ! लखनऊ हमर मुख्यालय छल ! आइ सँ ठीक 21 साल पहिने लखनऊ हमर कर्म भूमि छल ! अधिकाशतः हम अपन समय एहिठाम बितैलहूँ ! परिचित लखनऊ केँ ट्रेनक भीतरे सँ अपन कर्म भूमि केँ प्रणाम केलहूँ ! दरअसल हमरा सामान क चोरी क भय सता रहल छल ! हिमगिरि अपन रफ्तार पकडि लेलक !

रेफ़रेशमेंट क लेल बीच -बीच मे केट्रीन वला चाय ल केँ अबैत छल ! कियो -कियो केट्रीन वला आबि यात्रियोंगण सँ पूछैत छल ,-
“ बाबूजी ! रात का खाना ?

हमहूँ पूंछलहूँ ,-
” खाना कितने बजे दोगे ?”
“ बस ,बाबू जी! बरेली पहुँचते शाम 7 बजे तक आप को खाना मिल जाएगा !”
केट्रीन वला कहलक !

गाड़ी मे सब केँ सब प्रायः भोजन केलनि ! कियो अपन घर सँ अपन टिफ़िन आनने छलाह ! कियो ट्रेने पर भोजन किनलाह ,कियो बाहर सँ भोजन क इंतजाम केलनि ! भोजनक बाद अपन -अपन बर्थ पर अधिकांश लोक पसरि गेलाह ! कियो -कियो लोक जगलो रहैथि ! गाड़ी मे अधिकृत यात्रीये टा रहैथि , नहि बेसि नहि नहि कम !

राति जखन अंबाला स्टेशन सँ गाड़ी रफ्तार पकड़लक , तखन अधिकांश लोक सुतबाक उपक्रम मे लागि गेलाह ! सीट पर हमर दू छोट -छोट टेबल टेनिस बैट क बैग राखल छल ! हम 2 मिनट्क लेल बाथरूम गेलहूँ ! ओहिठाम सँ आबि देखैत छी जे एकटा टेबल टेनिसक बैट हमर गायब अछि ! हमरा त त्रिलोक सूझय लागल ! “जाहि डर सँ भिन भेलहूँ से पड़ल बखरा !” सोसें तकलहूँ ! इमहर उमहर तकलहूँ ! सब सामानक तलाशी केलहूँ ! ओ बैग मे पाई -कौड़ी नहि छल ! ओहि मे हमर फॅमिली रेल्वे वॉरन्ट छल ! इ फॅमिली अनबाक लेल फ्री पास होइत अछि ! सामान अनबाक लेल अलग सँ रेल्वे वॉरन्ट छल ! बैंक क पास बुक रहय ! पोस्ट ऑफिस क खाता सेहो छल ! तथापि जे छल वो हमरा लेखेँ अनमोल छल ! अगल- बगल वला लोक सँ पूँछलहूँ ,–

“ भाई साहिब ! क्या आप लोगों ने मेरा छोटा सा बैग देखा है ?”
“ नहीं ,मैंने तो नहीं देखा “जवाब भेटल !
कियो दोसर हमरा सँ आश्चर्य सँ पूँछलाह ,
” क्या हुआ ? अभी तो यहाँ कोई नहीं आया था !“
“ कैसा बैग था ? क्या …क्या था उसमें ?”

हमरा त किछु नहि सुझा रहल छल ! अखन त गाड़ी पूर्ण रफ्तार मे छल ! अंबाला धरि त बैग हमरे आँखिक सोझा मे छल ,गेल त आखिर गेल कतय ? अंबाला क बाद कियो यात्री नहि उतरल आ नहि गाड़ी कतो रुकल ! आब चिंता सतबय लागल कि जम्मू सँ कलकत्ता समस्त परिवार केँ केना आनब ? घर क सामान ट्रेन सँ आनब केना ? ट्रांसफरक समय मे सामान बहुत होइत छैक ! हमर मुँह सुखि रहल छल !

इ त सत्य छल जे इ कम्पार्ट्मन्ट सँ कियो आदमी बाहर नहि गेल छल ! हमर हृदय कहि रहल छल जे हमर बैग एहिठाम अछि ! अंत में निर्णय केलहूँ जे किनको नींद खराब हेतनि त हेतनि हम अंतिम प्रयास केलहूँ ! हम पैसिज मे ठाढ़ भेलहूँ आ समस्त यात्रीगण केँ सम्बोधन केनाई प्रारंभ केलहूँ ,———-

“ भाइयों ! आप लोगों से प्रार्थना है कि किन्हीं भाईयों को मेरा बैग यदि मिला है तो कृपया मुझे दे दें ! उस बैग में रुपया पैसा नहीं है ! सिर्फ मेरा ऑफिसियल कागज है ! फॅमिली वॉरन्ट ,लगेज वॉरन्ट और पासबुक है ! शायद ही किसी को इससे फायदा होगा ! ”

इ घोषणा करैत सम्पूर्ण कम्पार्ट्मन्ट मे घूमय लगलहूँ ! हमर अनाउन्स्मेन्ट सँ किछु गोटे नाराज भेल हेताह मुदा अन्य कोनो उपाय नहि सूझि रहल छल !

हटात दू तीन बर्थ छोडि कियो आवाज लगेलनि ,–

“यहाँ एक बैग पड़ी हुई है, देखिए आपका तो नहीं?”

हम व्यग्रता सँ हुनकर समक्ष गेलहूँ ! देखैत छी वैह हमर टेबल टेनिस बैग हमरा निहारि रहल छल ! हमर खुशी क ठिकाना नहि रहल ! बैग खोलि केँ देखलहूँ त सब कागज सुरक्षित छल ! हम मने मन “सज्जन चोर” केँ धन्यवाद देलियनि आ अपन यात्रा मंगलमय जारी रखलहूँ !
======================
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
साउन्ड हेल्थ क्लिनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत
29.06.2022

342 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
शिद्धतों से ही मिलता है रोशनी का सबब्
शिद्धतों से ही मिलता है रोशनी का सबब्
कवि दीपक बवेजा
*नई सदी में चल रहा, शिक्षा का व्यापार (दस दोहे)*
*नई सदी में चल रहा, शिक्षा का व्यापार (दस दोहे)*
Ravi Prakash
कुंडलिया
कुंडलिया
आर.एस. 'प्रीतम'
🙅आज का लतीफ़ा🙅
🙅आज का लतीफ़ा🙅
*प्रणय प्रभात*
चौथापन
चौथापन
Sanjay ' शून्य'
ग़ज़ल
ग़ज़ल
प्रीतम श्रावस्तवी
वसुधा में होगी जब हरियाली।
वसुधा में होगी जब हरियाली।
ओम प्रकाश श्रीवास्तव
आप में आपका
आप में आपका
Dr fauzia Naseem shad
वाह रे जमाना
वाह रे जमाना
डॉ विजय कुमार कन्नौजे
खुशनसीब
खुशनसीब
Bodhisatva kastooriya
कभी सोच है कि खुद को क्या पसन्द
कभी सोच है कि खुद को क्या पसन्द
पूर्वार्थ
“गुरु और शिष्य”
“गुरु और शिष्य”
DrLakshman Jha Parimal
वेलेंटाइन डे शारीरिक संबंध बनाने की एक पूर्व नियोजित तिथि है
वेलेंटाइन डे शारीरिक संबंध बनाने की एक पूर्व नियोजित तिथि है
Rj Anand Prajapati
पिछले पन्ने 4
पिछले पन्ने 4
Paras Nath Jha
किसी को सच्चा प्यार करने में जो लोग अपना सारा जीवन लगा देते
किसी को सच्चा प्यार करने में जो लोग अपना सारा जीवन लगा देते
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
Raksha Bandhan
Raksha Bandhan
Sidhartha Mishra
3034.*पूर्णिका*
3034.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
पता नहीं किसने
पता नहीं किसने
Anil Mishra Prahari
ପ୍ରାୟଶ୍ଚିତ
ପ୍ରାୟଶ୍ଚିତ
Bidyadhar Mantry
मैं कहां हूं तुम कहां हो सब कहां हैं।
मैं कहां हूं तुम कहां हो सब कहां हैं।
Prabhu Nath Chaturvedi "कश्यप"
बाजार  में हिला नहीं
बाजार में हिला नहीं
AJAY AMITABH SUMAN
जगत कंटक बिच भी अपनी वाह है |
जगत कंटक बिच भी अपनी वाह है |
Pt. Brajesh Kumar Nayak
"कथरी"
Dr. Kishan tandon kranti
मुर्दे भी मोहित हुए
मुर्दे भी मोहित हुए
Dr. Ramesh Kumar Nirmesh
Good things fall apart so that the best can come together.
Good things fall apart so that the best can come together.
Manisha Manjari
आधा - आधा
आधा - आधा
Shaily
एहसास के सहारे
एहसास के सहारे
Surinder blackpen
चीं-चीं करती गौरैया को, फिर से हमें बुलाना है।
चीं-चीं करती गौरैया को, फिर से हमें बुलाना है।
अटल मुरादाबादी(ओज व व्यंग्य )
तेरी मुस्कान होती है
तेरी मुस्कान होती है
Namita Gupta
जिस्म झुलसाती हुई गर्मी में..
जिस्म झुलसाती हुई गर्मी में..
Shweta Soni
Loading...