“ THANKS नहि श्रेष्ठ केँ प्रणाम करू “
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल “
==========================
बहुत गोटे जुड़ल छथि ,
सानिध्य हुनक भेटल अछि !
यदा -कदा भूलल- बिसरल ,
कमेन्ट हुनकर भेटैत अछि !!
ओना सब अपने तालें ,
अपने धून पर नचैत छथि !
संवाद क त मारू मुड़ी ,
घूरि केँ नहि वो देखैत छथि !!
छोट छी कि पैघ छी ?
तकर नहि अनुमान अछि !
फ्रेंड जखन बनि गेलहूँ
तकरे हमरा गुमान अछि !!
फ्रेंडलिस्ट गूगल अपन संज्ञा ,
फेसबुक मे बनेने अछि !
मुदा यथायोग्य सम्मानक ,
प्रावधान हमरा सीखेने अछि !!
छोट- पैघ सब गोटे ,
अन्हर मारि क रहल छी !
अधिकाशतः हम सब ,
अकर्मण्य बनि रहल छी !!
आइ- काल्हि अधिकाश लोक ,
बधाई शुभकामना तकैत छथि !
मुदा आभार ,प्रणाम ,स्नेह ,
आशीर्वाद लोक नहि दैत छथि !!
जहन आहाँ अपना केँ ,
दिव्य लोक बुझैत छी !
तखन आहाँ किया नहि ,
कैलाश शिखर पर रहैत छी ?
संस्कार आ शिष्टाचार केँ
आहाँ सब दिन मान करू
जुड़ल रहू सदा हृदय सँ
Thank नहि श्रेष्ठ केँ प्रणाम करू !!
=====================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत
18.06.2022.