Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
18 Oct 2021 · 2 min read

देवी शक्ति(संस्मरण)नास्तिक स आस्तिक

———————————————————–
बात 1978 के थिक।दिवाली दिन छलै,भारत और पाकिस्तान के बीच क्रिकेट टेस्ट मैच मे भारत हारि गेल छल,पिताजी मोतिहारी मे पदस्थापित छला।पिताजी स्वयं नीक स्पोर्टस मैंन छला मोहन बगान और मोहन स्पोर्टिंग कल्व के निबंधित खिलाड़ी छला,हुनकर प्रिय खेल फुटबाल छल,मुदा आनो खेल नीक खेलाइत छला तथा क्रिकेट, बैडमिंटन,वालीबाल,शतरंज,ब्रीज,रम्मी।
ओहि दिन पिता जी ज्वर ग्रसित छला मैच खत्म भेला पर कहला जे मधुर ल आन आ भगवती के उसरैग दहुन,मॉ सभ गाम में छलि हम दूनू आदमी रहि,हम घोर नास्तिक छलौं। मुदा पिता माता केआज्ञाकारी अनिच्छे पिता जी के आदेश पर दस रूपया के क्रीम चप मधुर,चारि आने दैत छलै,चालिस टा अनने रहि कारण हमर मित्रवर्गादि सभ अवितथि।
दिवाली मे ठंडा पड़ लागैत छै ताहि मे संध्या काल नेहेनाई एक टा नास्तिक क लेल सभ स दुष्कर काज छल ताहि पर स धोती पहिर के पूजा केनाई।खैर ओ त करवा के छल उपायों नहि छल।पूजा लेल बैसलौ देखैत देखैत या कहू संस्कार वश मधुर राखि ओहि पर तीरा फूल तुलसी दल राखि धूपबत्ती और दीप जरा मंत्र पढलौ
” हे सुनु आहॉ के छी, की छी,नहि छी जे छी हम नहि जानि,पिता जी के आदेश अछि भोग लगा रहल छी,अपन खा लिय” से कहिए उसरैग देलियैन्ह “इदं आचमनियम्” नहि करेलियैन्ह मधुर उठा मिड केस में राखिए देलौ।
तैयार भेलौ घूम लेल।पिताजी कहला जल्दी आविह और संगी सभ के से हो लेने अविह। हम गेलौं कनि काल घूमलौं फिरलौ सभ संगी ओत किछु किछु खाइत सभ के कहलियै चलै लेल त एक्टा कहलक “का करव जा के चाची नैखन ” हम कहलियै “रे बाबूजी कहलें सभनि जना के ले अहिय” .सभ आयल डेरा पर देखलौ जे पिता जी मखान नून दक घी में भुजि क रखने छलाह सभ के प्लेट लगेलौ मधुर पुष्ट स छलेह सभ खा क गेल।भोजन करै लेल गेलौ तो देखै छी पिता जी कचौड़ी तसमै आलू भुजिया बना कर रखने छलाह।पिता के स्नेह देखि हृदय द्रवित भ गेल जे ज्वर ग्रसित छथि तैयो बेटा लेल एतेक मेहनत,मखान भुजनाई, कचौड़ी,तसमै आलू भुजिया बनेला।
खैर भोजन क बाप बेटा एके काम सुतलौं,एत इ कहि दी जे साहित्यानुरागी छलौं तैं शिव तांडव स्तोत्र रटल छल।बिछौना पर जाइते नींद आवि गेल,सपनै लगलौं जाहि विग्रह के हम संध्या काल ओल सन बोल मंत्र स मधुर उसरगने छलौं ओहि स भगवती बहरेली आ कहै छथि जे तू हमरा नहि चिन्है छै तू देख हम के छी आ हमरा बुझैल जे पिता जी पांचम अध्याय पढि रहल छथि,भगवती क रूप बदलिए रहल छैन्ह,जखन भ्रांति रूप भयंकर देखलौ कि सुतले में मुॅह स “जटाट् वी गल्ज्व……”निकल लागल।पिताजी उठा कर पुछलैन्ह की भेल?सभटा कहलियैन्ह त कहला काल्हि गाम चलिए जा परसू भ्रातद्वितीया छै,अंजू ओतै छथि हमरा स जेठ बहिन मॉ के कहियहुन कुमारि खुआ देथिन।ओहि वेर स आई धरि दिवाली संध्या कुमारि भोजन चलिए रहल अछि।
और घोर नास्तिक हम घोर आस्तिक भ गेलौ ।
आशुतोष झा
१८/१०/२०२१

Language: Maithili
289 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
घर के किसी कोने में
घर के किसी कोने में
आकांक्षा राय
महाशिव रात्रि की हार्दिक शुभकामनाएँ
महाशिव रात्रि की हार्दिक शुभकामनाएँ
अंकित शर्मा 'इषुप्रिय'
100 से अधिक हिन्दी पत्र-पत्रिकाओं की पते:-
100 से अधिक हिन्दी पत्र-पत्रिकाओं की पते:-
राजीव नामदेव 'राना लिधौरी'
विधाता छंद
विधाता छंद
डॉ.सीमा अग्रवाल
जिसनें जैसा चाहा वैसा अफसाना बना दिया
जिसनें जैसा चाहा वैसा अफसाना बना दिया
Sonu sugandh
आंखों में ख़्वाब है न कोई दास्ताँ है अब
आंखों में ख़्वाब है न कोई दास्ताँ है अब
Sarfaraz Ahmed Aasee
विराम चिह्न
विराम चिह्न
Neelam Sharma
" पीती गरल रही है "
भगवती प्रसाद व्यास " नीरद "
Life is too short to admire,
Life is too short to admire,
Sakshi Tripathi
चीरहरण
चीरहरण
Acharya Rama Nand Mandal
सुख भी बाँटा है
सुख भी बाँटा है
Shweta Soni
आखिर कब तक
आखिर कब तक
Dinesh Yadav (दिनेश यादव)
हर दर्द से था वाकिफ हर रोज़ मर रहा हूं ।
हर दर्द से था वाकिफ हर रोज़ मर रहा हूं ।
Phool gufran
कभी मोहब्बत के लिए मरता नहीं था
कभी मोहब्बत के लिए मरता नहीं था
Rituraj shivem verma
आया तेरे दर पर बेटा माँ
आया तेरे दर पर बेटा माँ
Basant Bhagawan Roy
फिर से ऐसी कोई भूल मैं
फिर से ऐसी कोई भूल मैं
gurudeenverma198
हँसने-हँसाने में नहीं कोई खामी है।
हँसने-हँसाने में नहीं कोई खामी है।
लक्ष्मी सिंह
चिड़िया
चिड़िया
Dr. Pradeep Kumar Sharma
3197.*पूर्णिका*
3197.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
मर्दों को भी इस दुनिया में दर्द तो होता है
मर्दों को भी इस दुनिया में दर्द तो होता है
Artist Sudhir Singh (सुधीरा)
प्यार करने के लिए हो एक छोटी जिंदगी।
प्यार करने के लिए हो एक छोटी जिंदगी।
सत्य कुमार प्रेमी
गजल सगीर
गजल सगीर
डॉ सगीर अहमद सिद्दीकी Dr SAGHEER AHMAD
प्रेम अटूट है
प्रेम अटूट है
Dr. Kishan tandon kranti
तेरी खुशी
तेरी खुशी
Dr fauzia Naseem shad
बात उनकी क्या कहूँ...
बात उनकी क्या कहूँ...
Dr. Rajendra Singh 'Rahi'
राम
राम
umesh mehra
गहरा है रिश्ता
गहरा है रिश्ता
Surinder blackpen
हिंदी दिवस पर हर बोली भाषा को मेरा नमस्कार
हिंदी दिवस पर हर बोली भाषा को मेरा नमस्कार
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
Dr Arun Kumar shastri
Dr Arun Kumar shastri
DR ARUN KUMAR SHASTRI
💐प्रेम कौतुक-528💐
💐प्रेम कौतुक-528💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
Loading...