हो बाबा गांधी
हो बाबा गांधी!
कहियो तू राम रहा!
आइ तू रावण भे गेला!१!
हो बाबा गांधी!
आइ गोडसे राम भे गेला!
तू बाबा रावण हो गेला!२!
हो बाबा गांधी!
तू महानायक रहा!
आइ तू खलनायक भे गेला!३!
हो बाबा गांधी!
आइ गांधी मूर्ति तोड़ल गेला!
गोडसे मूर्ति लगायल गेला!४!
हो बाबा गांधी!
कहीं कहीं बाबा पूजल गेला!
परंच तोहर बिचार तोडल गेला!५!
हो बाबा गांधी!
तोहर अहिंसा बेकार हो गेला!
धरम हिंसा जायज हो गेला!६!
हो बाबा गांधी!
देशक हाल देखि के रूआंसा हो गेला!
रामा राजनीति के खेला हो गेला!
हो बाबा गांधी!७!
स्वरचित@सर्वाधिकार रचनाकाराधीन।
-आचार्य रामानंद मंडल सामाजिक चिंतक सीतामढ़ी।