“ हमर महिसक जन्म दिन पर आशीर्वाद दियोनि ”
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल ”
===================================
हमर महिस क आइ
जन्म दिन थीक
हिनकर जन्म सँ
हमर दिन फीर गेल
दुधक क गंगा
यमुना धार खूब बहल
पाई कौड़ी क अभाव
कहियो नहि भेल !!
दस सेर दूध महिस
सब दिन दैत अछि
पाहून -पड़क देखि
आर बेसि दैत अछि
चिनहैत अछि सबकेँ
महिस हमर दिव्य अछि
गोबरक प्रचुरता सँ
जारनक नहि काज अछि !!
विवाह एकर एहि
गामे मे भेल छैक
तकर हम बाद मे
वर्षगांठ क सूचना देब
पुनः हम आग्रह करब
आहाँ लोकनि केँ
अपन महिसक लेल
बधाई आ शुभकामना लेब !!
मधूश्रावणी ,कोजागरा ,
दुरागमन क दिन
हम अपन डायरी मे
लिखि रखने छी
चिंता आहाँ जुनि करू
सम्पूर्ण वृतांत
अपन महिसक हम
कंठस्त रखने छी !!
आग्रह अछि
आहाँ लोकनि सँ महिस केँ
अपना हृदय सँ खूब
आशीर्वाद दियोनि
परिवारक सदा
वृद्धि होइत रहय
एहने आहाँ लोकनि
बरदान दियोनि !!
महिस त महीसे
होइत छैक
बधाई ,शुभकामना
आ आशीर्वाद लैत अछि
मुदा वो अछि
मुड़ी डोलबय मे
नहि ककरो आभार ,स्नेह
नहि प्रणाम करैत अछि !!
===================
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
साउन्ड हेल्थ क्लिनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत
25.06.2022.