Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
23 Sep 2021 · 3 min read

मिथिला मैथिली के अगुआ दफानने रहल आ पिछलगुआ दबारल गेल

मिथिला मैथिली के त सभ दिन पेटपोसुआ सब अपना फायदा मे दफानने रहल आ वर्चस्व बना सोलकन राड़ (वंचित/बारल) लोक सब के धकियौने अपन राज बनौने रहल. जे लोक सब अपना आप के मैथिली सेवी हेबाक होहकारी करैए वास्तव मे त ओ सब ओतबेक पेंचबाज होइए जे मिथिला मैथिली कए अपन पेट पोसैए जेना मैथिली पुरस्कार,नोकरी, साहित्य अकादेमी, समारोह, आयोजन सब ठाम ओकरे आधिपत्य छै आ एकछाहा राज क रहलै? तेकर कतेको कारण छै.
साहित्यक जानकारी एकजुटता आ जातिवादी संगोर हेबाक कारने ई वर्चस्वादी सब मैथिली साहित्य के अपन बपौति बना खोधि खोधि खाइत रहल आ साहित्य सेवी हेबाक ढोंग करैत रहल. एकरा सबहक बिरोध कहियो नै भेलै आ वंचित वर्ग सोलकन सब बिरोधक स्वर मजगूत नै क वर्चस्वादी अगुआ सबहक पिछलगुआ बनि अपन बिधि पुरबैत रहल आ अंतोगत्वा वैह भेलै जे मैथिल बाभन कायस्थ सब अप्पन खूब नाम कमाएल जे प्रसिद्ध कवि/कथाकार/साहित्यकार आ एहि सुनियोजित दोकानदारी बले अकादमी पुरस्कार दफानैत रहल.
आ तेकर ठीक उनट मैथिली साहित्य मे सोलकन के कोनो मोजर नै देल गेलै आ एक आध टा नाम सब के बिधि पुरबै ले खोज पुछारी करैत रहलै जे सभहक मैथिली छियै से प्रचारित हेतै मुदा असल मे त बाभने कायस्थ टा के मैथिली छियै ओकरे शैली के मानक बना मोजर देल गेलै आ तेकरा पिछलगुआ सोलकन मानैत एलै आ बिरोध किनौ ने केलकै ग.

हमरा सन कतेको लेखक जे मिथिला मैथिली के यथार्थ ल मैथिली लाॅबी के बिरोध केलक तेकरा सबके सुनियोजित तरीका स धकिया के उपेक्षा कएल गेलै.
यथार्थ जनैतो अगुआ पिछलगुआ वा मैथिल समाज तेकर बिरोध नै केलकै आ ने करतै ग. केकरा कोन मतलब हइ?
सोलकन पिछलगुआ बनि हो हो करत दुत्कार सहत आ अप्पन मंच ने ठाढ़ करत आ ने सोलकन साहित्यकार के स्थापित करबा मे सहयोग करत आ की ओकर उपेक्षा भेला पर लड़त??
तब त सब दिन सोलकन वंचित रहबे करत आ बलू सैह होइत एलै ग. दोसर गप इहो हइ जे बाभन कियै सोलकन मोजर लै अवाज़ उठैते?? बिरोध भेला पर ओ सब इ कहि बिधि पुरा लैत छथि जे मैथिली मे एहिना होइत एलैइए?
औ जी महराज एहिना कहिं होइत एलैइए की सुनियोजित तरीका स सब दिन एहिना जातिवाद पक्षपात करैत रहलै बाभन किछु कायस्थ लाॅबी सब अपना फाइदा नफा दुआरे?? आ यैह यथार्थ छै मिथिला मैथिली के जेकरा मुँह नै झांपल जा सकैए?

एतेक तक जे सोलकन लेखक के लेखक हेबाक प्रमाण मैथिली लाॅबी स भेटतै तबे मानक अनुरूप मोजर सेहो ज पिछलगुआ होहकारी छि तब अन्यथा किशन कारीगर जेंका लेखक हेबाक प्रमाण जुटबैत आ बंटैत रहू धैन सति लै?
अकादमी, ज्यूरी, प्रकाशन, पत्रिका आयोजन, सबटा मैथिल बाभने दफानने हइ त वर्चस्व ओकरे रहलै आ छेबौ करै आ मैथिली के नाम पर दोकानदारी सेहो नीक करै छै? सोलकन के ताबे कोन मोजरे हइ मैथिली मे आ कए गोटे अगुएलै आ की सोलकन समाज अपना के मजगूत करै लै सामूहिक रूपे अगुएलै??

हमरा सन एक आध गोटे सिद्धांतवादि लोक अगुएबो केलै त उपेक्षित होइत रहलै आ संघर्ष तेहेन मजगूत नै भेलै? हेब्बो केना करतै बलू सोलकन समाज अपने निब्बदी मारनै हइ आ पिछलगुआ बनल जसौती कमैए मे अपसियांत हइ. त बाभनो ओकरा पिछलगुआ बना छोट मोट सम्मान द अपना इशारा पर नचबैत रहै छै आ उ सब अपन नफा कमा लैइए आ बुड़बक सोलकन ठकाएल रैह जाइ हइ? आ एहिना होइत एलै ग मैथिली मे?
जेकरा तीत लगौ आ तामस उठौ आ झुनझुनि ध लौ? मुदा कारीगर त मिथिला मैथिली के यथार्थ बजबे लिखबे करत.
डाॅ. किशन कारीगर
(नोट- काॅपिराइट अधिनियम तहत निबंधित)
12/09/2021..

Language: Maithili
Tag: लेख
1 Like · 410 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
Books from Dr. Kishan Karigar
View all
You may also like:
"आज का दौर"
Dr. Kishan tandon kranti
हमने सबको अपनाया
हमने सबको अपनाया
Vandna thakur
मेरी हसरत जवान रहने दे ।
मेरी हसरत जवान रहने दे ।
Neelam Sharma
खींचो यश की लम्बी रेख।
खींचो यश की लम्बी रेख।
Pt. Brajesh Kumar Nayak
पति मेरा मेरी जिंदगी का हमसफ़र है
पति मेरा मेरी जिंदगी का हमसफ़र है
VINOD CHAUHAN
एक उलझन में हूं मैं
एक उलझन में हूं मैं
हिमांशु Kulshrestha
यूँही तुम पर नहीं हम मर मिटे हैं
यूँही तुम पर नहीं हम मर मिटे हैं
Simmy Hasan
संघर्ष ,संघर्ष, संघर्ष करना!
संघर्ष ,संघर्ष, संघर्ष करना!
Buddha Prakash
****** धनतेरस लक्ष्मी का उपहार ******
****** धनतेरस लक्ष्मी का उपहार ******
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
आता है संसार में,
आता है संसार में,
sushil sarna
इधर उधर न देख तू
इधर उधर न देख तू
Shivkumar Bilagrami
याद कितनी खूबसूरत होती हैं ना,ना लड़ती हैं ना झगड़ती हैं,
याद कितनी खूबसूरत होती हैं ना,ना लड़ती हैं ना झगड़ती हैं,
शेखर सिंह
🌸 आने वाला वक़्त 🌸
🌸 आने वाला वक़्त 🌸
Mahima shukla
राम आए हैं भाई रे
राम आए हैं भाई रे
Harinarayan Tanha
फूलों की है  टोकरी,
फूलों की है टोकरी,
Mahendra Narayan
2270.
2270.
Dr.Khedu Bharti
अगर आप समय के अनुसार नही चलकर शिक्षा को अपना मूल उद्देश्य नह
अगर आप समय के अनुसार नही चलकर शिक्षा को अपना मूल उद्देश्य नह
Shashi Dhar Kumar
हमारे हाथ से एक सबक:
हमारे हाथ से एक सबक:
पूर्वार्थ
"" *आओ करें कृष्ण चेतना का विकास* ""
सुनीलानंद महंत
तुम नि:शब्द साग़र से हो ,
तुम नि:शब्द साग़र से हो ,
Stuti tiwari
"In the tranquil embrace of the night,
Manisha Manjari
ना आसमान सरकेगा ना जमीन खिसकेगी।
ना आसमान सरकेगा ना जमीन खिसकेगी।
लोकेश शर्मा 'अवस्थी'
खुले आम जो देश को लूटते हैं।
खुले आम जो देश को लूटते हैं।
सत्य कुमार प्रेमी
वो हमें भी तो
वो हमें भी तो
Dr fauzia Naseem shad
राम का राज्याभिषेक
राम का राज्याभिषेक
Paras Nath Jha
■ दुर्जन संगठित, सज्जन विघटित।
■ दुर्जन संगठित, सज्जन विघटित।
*Author प्रणय प्रभात*
सबक
सबक
manjula chauhan
*गुरु (बाल कविता)*
*गुरु (बाल कविता)*
Ravi Prakash
डॉ निशंक बहुआयामी व्यक्तित्व शोध लेख
डॉ निशंक बहुआयामी व्यक्तित्व शोध लेख
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
सेंसेक्स छुए नव शिखर,
सेंसेक्स छुए नव शिखर,
महावीर उत्तरांचली • Mahavir Uttranchali
Loading...