Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
8 Oct 2021 · 2 min read

” मित्रता मे कोनो आउट ऑफ़ बाउंड नहि “

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल”
============================
मित्र बनला उपरांत संवादक आवश्यकता होइते छैक ! पहिने मित्र लोकनि समय निकाली एक दोसरा सं मिलइत छलाह ! विचारक आदान -प्रदान होइत छल ! यथायोग्य साधन अनुरूपेण सब गोटे खैलाइत छलाह ! कत्तो संगीत भ रहल अछि ,कत्तो गीत क धुन पर सब अपन -अपन गर्दनि हिला रहल छथि ! कुछु गोटे लागल छथि अपन विचारक आदान प्रदान में ! खेल कूद ,सिनेमा ,राजनीति सभक नवीन चर्चा सब दिन होइत छल ! इएह चर्चा सब हमर मित्रता कें प्रगाड़ बनवेत छल ! हमरा मे सहयोगक भावना अंगक सब कोण मे स्फुरित होइत रहित छल ! जखन कोनो सामाजिक कार्य भेल हमरा लोकनि कुदि पडैत छलहूँ ! आनंदित क्षण एक संगे बितवैत छलहूँ ! अखनो धरि ओहि क्षण कें बिसरि नहि सकलहूँ ! …..आब मित्रता अपन स्वरुप बदलय लागल ! आकाश मे हमर वैश्वयीक मित्रताक पताखा फहरा रहल अछि ! एक क्षण मे बना लिय मित्रक रेजिमेंट ! कपडा दोकान मे कपडा पसंद करू तखने कपडा खरीदू ! दरजी कें अपन स्टाइल कहि देल जाऊ ओ सलमान वा अभिताभ वाला परिधान बना देत ! सब चीज पसंद करू, परंच बिना निर्णय ,बिना बुझिने सूझने हम अनगिनत मित्र एके क्लिक मे बना सकैत छी ! इ कोन गप्प भेल ?…… बनलहूँ मित्र आ विचारक आदान प्रदान हेतु एकटा लक्ष्मण रेखा थोपी देल गेल ?…हमर टाइम लाइन एल० ओ० सी० भ गेल ! एहि पर सर्जिकल स्ट्राइक केलहुं त ‘विश्व युध्य ‘भ जायत ! गप्प करबा क अछि वा विचारक आदान प्रदान करबाक अछि त व्हात्साप अथवा मस्सेंजेरक माध्यमे आउ !……… मित्रता मे कोनो ‘आउट ऑफ़ बाउंड एरिया ‘ नहि होइत छैक ! हाँ ….एकटा बात अवश्य हमरा सबकें ध्यान रखबाक चाही … जे शिष्टाचार ,मृदुलता ,सौम्यता कें अपना लेखनी मे भरइत रहू ! मित्रता मात्र फोटो पोस्ट केने सं नहि होइत छैक ! हमरालोकनि एहि युग मे जखन मित्रता विश्व स्तर पर पहुंचि गेल त हम किया ‘कोप भवन ‘ सं बहार नहि निकलव् ?
==============
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका

Language: Maithili
Tag: लेख
205 Views

You may also like these posts

मैंने उसे मेरी जिंदगी का हिस्सा बनते देखा है।
मैंने उसे मेरी जिंदगी का हिस्सा बनते देखा है।
Kanchan Alok Malu
तेरे कहने का अंदाज ये आवाज दे जाती है ।
तेरे कहने का अंदाज ये आवाज दे जाती है ।
Diwakar Mahto
इच्छाओं  की  दामिनी,
इच्छाओं की दामिनी,
sushil sarna
रक्षा बंधन पर्व
रक्षा बंधन पर्व
Neeraj kumar Soni
कब आयेंगे दिन
कब आयेंगे दिन
Sudhir srivastava
...........
...........
शेखर सिंह
माॅंं ! तुम टूटना नहीं
माॅंं ! तुम टूटना नहीं
PRATIBHA ARYA (प्रतिभा आर्य )
कविता
कविता
Nmita Sharma
बड़ी हिफाजत से मुझे सौंपा जाएगा,
बड़ी हिफाजत से मुझे सौंपा जाएगा,
Smriti Singh
बहुत जरूरी है एक शीतल छाया
बहुत जरूरी है एक शीतल छाया
Pratibha Pandey
यह जीवन ....
यह जीवन ....
अनिल "आदर्श"
क़त्आ
क़त्आ
*प्रणय*
श्वेत  बस  इल्बास रखिये और चलिए।
श्वेत बस इल्बास रखिये और चलिए।
संजीव शुक्ल 'सचिन'
गीत मौसम का
गीत मौसम का
सुशील मिश्रा ' क्षितिज राज '
अभिनव छंद
अभिनव छंद
Rambali Mishra
नारी बिन नर अधूरा🙏
नारी बिन नर अधूरा🙏
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
अलमस्त रश्मियां
अलमस्त रश्मियां
विनोद वर्मा ‘दुर्गेश’
सत्य बदलकर झूठ में, लगा रहे हैं आग।
सत्य बदलकर झूठ में, लगा रहे हैं आग।
Arvind trivedi
टेढ़े-मेढ़े दांत वालीं
टेढ़े-मेढ़े दांत वालीं
The_dk_poetry
. शालिग्राम तुलसी विवाह
. शालिग्राम तुलसी विवाह
rekha mohan
श्रंगार
श्रंगार
Vipin Jain
वह मुझे चाहता बहुत तो था
वह मुझे चाहता बहुत तो था
Shweta Soni
"कथा" - व्यथा की लिखना - मुश्किल है
Atul "Krishn"
घमंड
घमंड
Adha Deshwal
मुक्तक
मुक्तक
प्रीतम श्रावस्तवी
प्यार के बदले यहाँ प्यार कहाँ मिलता है
प्यार के बदले यहाँ प्यार कहाँ मिलता है
आकाश महेशपुरी
"नवरात्रि पर्व"
Pushpraj Anant
हम ख़फ़ा हो
हम ख़फ़ा हो
Dr fauzia Naseem shad
Under This Naked Sky I Wish To Hold You In My Arms Tight.
Under This Naked Sky I Wish To Hold You In My Arms Tight.
Manisha Manjari
"पलते ढेरों अहसास"
Dr. Kishan tandon kranti
Loading...