” भारतक उत्थान “
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
============
आदि युगें सं जे विश्व मे ,
बंटैत रहल ज्ञान !
हाय ! ओतहि पसरि रहल ,
सबतरि अज्ञान !!
++++++++++++++
एतबो नहि कियो बुझैछ ,
भारत मे अछि प्रजातंत्र !
जनमत सं चलि सकैछ ,
केवल सब तंत्र –मंत्र !!
+++++++++++++++
आपस केर भेद- भाव ,
यावत नहि तोड़ी सकब !
इतिहासक टूटलता ,
कडियों नहि जोड़ी सकब !!
++++++++++++++++
आऊ मीलि हम सब तें ,
छोडि निज तुच्छ मान !
तइखन त भ सकैछ,
भारतक उत्थान !!
++++++++++++++
==============
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत