” फोटो कमेंट्स क प्रचलन “
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
==================
बहुत भ गेल
लिखनाय ,
कखनो “आभार” लिखू
कखनो “प्रणाम ”
“धन्यवाद्” ,”आशीष “!!
करैत रहथु
प्रतीक्षा ,
हम की पढ़ल -लिखल छी ?
जे हम आहाँक
लेखनी पर कमेंट लिखब ?
आब हमरालोकनि क
काज आसन भेल ,
गूगल सं विभिन्य
भंगिमा वाला फोटो
नौचि -चौथि कें
साटि देलहुं
कमेंट क स्थान पर !!
के एतैक मेहनत करत ?
हम त आब श्रेष्ठ कें
प्रणाम वाला
फोटो साटि देत छी !
नीक भेल त
हुनका अप्पन ठेंगा
देखा देत छी !!
नवका युग आबि गेल
गुरु, मात -पिता कें
शब्द लिखनाय
बिसरि गेलहुं !
हुनको अप्पन अभिवादन क
फोटो कमेंट्स सं
तृप्त हम
करैत गेलहुं !!
============
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
दुमका