परम् गति दियऽ माँ जगदम्बा
परम् गति दियऽ माँ जगदम्बा,
चरण बीच गोहराबै छी,
भेल परात उदित भेल दिनकर,
माय किये नै आबै छी। –1
तंत्र- मंत्र जप- तप हीन,
माय माय दोहराबै छी,
भेल परात उदित भेल दिनकर,
माय किये नै आबै छी। –2
सगर जगत संतति अछि तोहर,
हमरा किये बिसराबै छी,
भेल परात उदित भेल दिनकर,
माय किये नै आबै छी। —3
पूरुब काल के दोष करण माँ,
पापी हऽम कहाबै छी,
भेल परात उदित भेल दिनकर,
माय किये नै आबै छी–4
उठु माँ काली, उठु भवानी,
दरशन बिन तरसाबै छी ,
भेल परात उदित भेल दिनकर,
माय किये नै आबै छी। –5
उमा झा🙏💕