” गप्प लिय मोदी सं आ टाका लिय बाइडन सं “
डॉ लक्ष्मण झा परिमल
==========================
आइ हमरा मन करैत अछि
अपन भाषा मे
किछु कही
परंच हम त मूक
भेल पडल छी ,
आ कुहरैत छी ,
कानो पथरा गेल
आइ दस बरख सं मोदी जीक
भाषणक शब्दक
जाल मे घुरिया रहल छी,
ओहिना अछि देश हमर
आहां सं आब भाषणे टा सुनैत छी ,
हमरा एकटा फकड़ा याद आबि रहल अछि ,
तकरे परिपेक्ष मे
हम कहि सकैत छी
” गप्प लिय मोदी जी सं आ टाका लिय बाइडन सं ”
=================
डॉ लक्ष्मण झा परिमल
दुमका