Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
16 Sep 2021 · 2 min read

“ खाइतो छी आ गुंगुअवैत छी “

डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
=======================
इ हमर सौभाग्य जे हमर जन्म मिथिला मे भेल ! पैघ भेलहूँ अन्य राज्य मे नौकरी भेटल ! तीन- तीन वरखक पश्चात स्थानांतरण होइत छल ! कखनो लखनऊ ,हिमांचल प्रदेश ,हरियाणा ,पुणे ,मद्रास आ विभिन्य स्थान पर रहबाक अवसर भेटल ! जाहि परिवेश मे रहित छलहूँ ओहिठामक व्यंजन भेटइत छल ! स्वादिष्ट बड़ होइत छल मुदा खाइतो छलहूँ आ गूंगीएबतो छलहूँ ! मेस मे जखन इडली आ दोसा बनैत छल हम टूटी पड़ैत छलहूँ ! कोंची -कोंची केँ खाइत छलहूँ ! मुदा नाटक आ रामलीला क महारथी लोकक सोझा गुंगुअवैत रहित छलहूँ ,

” इ मिथिला व्यंजन नहि थीक “ ! धूर ! एकर नाम नहि लिय !”

किछु दिनक उपरांत गाम सं कनिया आ बच्चा केँ नेने एलहूँ ! बच्चा दूनू केँ इंग्लिश मिडीअम मे द देलियनि ! समय बितल बच्चा लोकनि “मेरे को ,तेरे को” बाजय लगलाह ! भेष -भूषा सहो बदलि गेलनि ! कनिया क मैथिली सेहो ओझरा गेलनि ! आधुनिक परिधान मे रहित मैथिली भाषा संस्कृति ,रीति रिवाज केँ तिलांजलि ओ द देलनि !

हम चौबीसों घंटा अपन गाल तर तंबाकू ,गुटका ,पान पराग इत्यादि रखने रहित छी ! सब संध्या देशी दारू पिबइत छी ! राति मे कनिया चखना आ नीक -नीक मांसाहारी व्यंजन बनबैत छथि ! मुदा एतबा रहितों हम पहिने कहलहूँ हम कुशल कलाकार छी ! गाम दरभंगा वाला हवाई जहाज सं अबैत छी ! इ मिथिला क सबारी नहि थीक ! हाथ मे अनरॉइड मोबाईल रखने छी ओहो मिथिला मैड नहि थीक ! परिधान जे पहिरैत छी सहो आनठाम बनल अछि !

भाषा संस्कृति रीति रिवाज बिसरि गेलहूँ ! तथापि गुंगएनाई नहि बिसरलहूँ ! लैपटॉप ,आधुनिक टीवी , बच्चा सभक अनलाइन क्लास आ गूगल क सेवा समस्त विश्व ल रहल अछि ! एकरा सबकें हमरा लोकनि अंतरात्मा सं स्वीकार केने छी मुदा लोकक समक्ष ,

“ खाइतो छी आ गुंगुअवैत छी “!

कियो लोक “इडली दोसा” पर कविता मैथिली मे लिखने रहिथ ! इ व्यंग्यात्मक छल ! हम ओहि मैथिली ग्रुप केँ खूब फझइति केलियनी ,” इडली दोसा “ मिथिला व्यंजन थीक ?” हम किछु करि मुदा मैथिली क अवनति हम नहि देखि सकैत छी ! तें हम “ खाइतो छी आ गुंगुअवैत छी “!!
==============
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत

Language: Maithili
Tag: लेख
271 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
*** पुद्दुचेरी की सागर लहरें...! ***
*** पुद्दुचेरी की सागर लहरें...! ***
VEDANTA PATEL
धैर्य.....….....सब्र
धैर्य.....….....सब्र
Neeraj Agarwal
सत्य की खोज
सत्य की खोज
Mukesh Kumar Sonkar
दुनिया  की बातों में न उलझा  कीजिए,
दुनिया की बातों में न उलझा कीजिए,
करन ''केसरा''
*पुस्तक समीक्षा*
*पुस्तक समीक्षा*
Ravi Prakash
2786. *पूर्णिका*
2786. *पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
गांव की बात निराली
गांव की बात निराली
जगदीश लववंशी
मधुर व्यवहार
मधुर व्यवहार
Paras Nath Jha
"बच सकें तो"
Dr. Kishan tandon kranti
आज हमने उनके ऊपर कुछ लिखने की कोशिश की,
आज हमने उनके ऊपर कुछ लिखने की कोशिश की,
Vishal babu (vishu)
आदमी से आदमी..
आदमी से आदमी..
Vijay kumar Pandey
मंदिर की नींव रखी, मुखिया अयोध्या धाम।
मंदिर की नींव रखी, मुखिया अयोध्या धाम।
विजय कुमार नामदेव
■ नंगे नवाब, किले में घर।।😊
■ नंगे नवाब, किले में घर।।😊
*Author प्रणय प्रभात*
दुर्गा माँ
दुर्गा माँ
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
सोच ऐसी रखो, जो बदल दे ज़िंदगी को '
सोच ऐसी रखो, जो बदल दे ज़िंदगी को '
Dr fauzia Naseem shad
*तुम और  मै धूप - छाँव  जैसे*
*तुम और मै धूप - छाँव जैसे*
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
एक रूपक ज़िन्दगी का,
एक रूपक ज़िन्दगी का,
Radha shukla
मेरा गांव
मेरा गांव
Anil "Aadarsh"
खुशनुमा – खुशनुमा सी लग रही है ज़मीं
खुशनुमा – खुशनुमा सी लग रही है ज़मीं
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
नजरिया
नजरिया
नेताम आर सी
आदमी की गाथा
आदमी की गाथा
कृष्ण मलिक अम्बाला
यूँ  भी  हल्के  हों  मियाँ बोझ हमारे  दिल के
यूँ भी हल्के हों मियाँ बोझ हमारे दिल के
Sarfaraz Ahmed Aasee
गिनती
गिनती
Dr. Pradeep Kumar Sharma
आँखों में ख्व़ाब होना , होता बुरा नहीं।।
आँखों में ख्व़ाब होना , होता बुरा नहीं।।
Godambari Negi
आप
आप
Bodhisatva kastooriya
अनकहे अल्फाज़
अनकहे अल्फाज़
Suman (Aditi Angel 🧚🏻)
खामोश कर्म
खामोश कर्म
Sandeep Pande
रोटी रूदन
रोटी रूदन
Jeewan Singh 'जीवनसवारो'
I Can Cut All The Strings Attached
I Can Cut All The Strings Attached
Manisha Manjari
जो जी में आए कहें, बोलें बोल कुबोल।
जो जी में आए कहें, बोलें बोल कुबोल।
डॉ.सीमा अग्रवाल
Loading...