Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
22 Sep 2021 · 1 min read

अंहि टा एकटा नीक लोक छि (हास्य कविता)

अहिंटा एकटा नीक लोक छि .
(हास्य कविता)

“कारीगर” कतेक दिन बाद परीक्षा पास केलक
ओ त बड्ड बुडिबक अछि
अहाँ त बड्ड पहिने बड़का हाकिम बनि गेलौहं
ताहि द्वारे अहिंटा एकटा नीक लोक छि .

अहाँक सफलताक राज त
कहियो ने कियो कही सकैत अछि
अहाँ अपने लेल हरान रहैत छि
आ अहिंटा एकटा नीक लोक छि .

सर समाज सँ कोनो मतलब नहि रखलौहं
परदेश में दूमंजिला मकान बना लेलौहं
गाम घर सँ स्नेह रखनिहर कें
अपनेमने अहाँ बुडिबक बुझहैत छि .

अप्पन सभ्यता संस्कृति अकछाह लगइए
ओकरा अहाँ बिसरै चाहैत छि
परदेश में रंग-बिरंगक संस्कृति में
अहाँ के नीक लगइए खूब मगन रहैत छि.

धियो-पूता के मातृभाषा नहि सिखबैत छि
ओकरा अंग्रेजी टा बजै लेल कहैत छि
मत्रिभाषक आंदोलन चलौनिहर बुडिबक
आ अहिंटा एकटा नीक लोक छि.

गाम घर पछुआएल अछि रहिए दिऔ
नहि कोनो माने मतलब राखू
अहाँ ए.सी. में बैसल आराम करैत छि
अहिंटा एकटा नीक लोक छि.

सर-समाज सँ स्नेह रखलौहं तहि द्वारे
हम बकलेल बुडिबक घोषित भेल छि
अहाँ रुपैया कम ढ़ेरी लगेलौहं
तहि द्वारे अहिंटा एकटा नीक लोक छि.

खली रुपैया टा चिन्हैत छि
अहाँ बिधपुरौआ बेबहर करैत छि.
पाइए अहाँ लेल सभ किछु
आ अहिं टा एकटा नीक लोक छि.

कियो पहिने कियो बाद में
मेहनत करनिहार त सफल हेबे करत
ओकरा अहाँ प्रोत्साहित कियक नहि करैत छि?
यौ सफलतम मनूख अहिंटा एकटा नीक लोक छि.

कवि- किशन कारीगर
©काॅपिराइट

Language: Maithili
3 Likes · 2 Comments · 522 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
Books from Dr. Kishan Karigar
View all
You may also like:
सपने..............
सपने..............
पूर्वार्थ
3915.💐 *पूर्णिका* 💐
3915.💐 *पूर्णिका* 💐
Dr.Khedu Bharti
मैं तुलसी तेरे आँगन की
मैं तुलसी तेरे आँगन की
Shashi kala vyas
दोहा त्रयी. . . . .
दोहा त्रयी. . . . .
sushil sarna
मेरी हर आरजू में,तेरी ही ज़ुस्तज़ु है
मेरी हर आरजू में,तेरी ही ज़ुस्तज़ु है
Pramila sultan
ओ पथिक तू कहां चला ?
ओ पथिक तू कहां चला ?
Taj Mohammad
हे राम ।
हे राम ।
Anil Mishra Prahari
अभी कुछ बरस बीते
अभी कुछ बरस बीते
shabina. Naaz
✍️ दोहा ✍️
✍️ दोहा ✍️
राधेश्याम "रागी"
हे प्रभु इतना देना की
हे प्रभु इतना देना की
विकास शुक्ल
सच सच कहना
सच सच कहना
Surinder blackpen
*हजारों हादसों से रोज, जो हमको बचाता है (हिंदी गजल)*
*हजारों हादसों से रोज, जो हमको बचाता है (हिंदी गजल)*
Ravi Prakash
**मन में चली  हैँ शीत हवाएँ**
**मन में चली हैँ शीत हवाएँ**
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
बेफिक्री
बेफिक्री
लक्ष्मी वर्मा प्रतीक्षा
"वो जिन्दगी"
Dr. Kishan tandon kranti
गर्भपात
गर्भपात
Bodhisatva kastooriya
“परीक्षा”
“परीक्षा”
Neeraj kumar Soni
दिल के इक कोने में तुम्हारी यादों को महफूज रक्खा है।
दिल के इक कोने में तुम्हारी यादों को महफूज रक्खा है।
शिव प्रताप लोधी
हमारी चाहत तो चाँद पे जाने की थी!!
हमारी चाहत तो चाँद पे जाने की थी!!
SUNIL kumar
सबकी सलाह है यही मुॅंह बंद रखो तुम।
सबकी सलाह है यही मुॅंह बंद रखो तुम।
सत्य कुमार प्रेमी
ज़िन्दगी को समझते
ज़िन्दगी को समझते
Dr fauzia Naseem shad
😢😢😢😢
😢😢😢😢
*प्रणय प्रभात*
नई जगह ढूँढ लो
नई जगह ढूँढ लो
दीपक नील पदम् { Deepak Kumar Srivastava "Neel Padam" }
तेरी पनाह.....!
तेरी पनाह.....!
VEDANTA PATEL
हॅंसी
हॅंसी
Paras Nath Jha
जाना ही होगा 🙏🙏
जाना ही होगा 🙏🙏
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
सरहद
सरहद
लक्ष्मी सिंह
समय
समय
Annu Gurjar
आख़िर उन्हीं २० रुपयें की दवाई ….
आख़िर उन्हीं २० रुपयें की दवाई ….
Piyush Goel
???????
???????
शेखर सिंह
Loading...