Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
6 Feb 2023 · 1 min read

धूर अहा बरद छी (मैथिली व्यङ्ग्य कविता)

दोसरेके लेल बहब,
खुट्टामे बानहल रहब,
कुट्टीसानी लेल टुकुर–टुकुर ताकब,
मलिकवाक दाना लेल कच्छर कातब,
डिरिएबाक आदत बनाएब,
तिरपित ओहीमे रहब,
झुठ नई छै शनिश्चराक कहब–
धूर अहा बरद छी ।१।

बधिया त पहिने भ गेल,
बच्छाक जामाना गेल,
साढ बनाबक समय सेहो गेल,
मर्खाहा बनबाक नई करु झेल,
टाइरमे बहब जमाना गुजैर गेल,
खैर–दाना बिना लार–पुआर खाएब,
झूठ नई छै शुक्राके कहब–
धूर अहा बरद छी ।२।

घेंचमे लागल गरदामी,
ओईमे लटकल डोरी,
कहियौ औतैह लागल कौडी,
सिंहमे तेल मालिस तोडी,
अई सिंगारक नई कुनू जोडी,
जोतबालेल तयार रहब,
झुठ नई छै बृहस्पतियाक कहब–
धूर अहा बरद छी ।३।

आँखि बन्द कोलमे घुमै,
कहियो झपकैत–झपकैत हर तानै,
सदखनि जुआ आ पालो बहै,
जोतहा जब पुच्छ पकडै,
अरे आह–आह कहैत अइठै
कान फडफराबैत मुडि हिलाएब,
झुठ नई छै बुधनाक कहब–
धूर अहा बरद छी ।४।

कांढिसं इलाजक आदि,
अपना पर मूँहमे जाबी,
दूसराक बालि पर हाबी,
ढोकनासं निकलत बदमासी,
बेसी कसबाकलेल नाथि,
तइयौ जुवाली सहबे करब,
झुठ नई छै मंगालाक कहब–
धूर अहा बरद छी ।५।

लांधी खाली रहत,
पेटके लेल डिरियाबै पडत,
मलिकबा त जोतेबे करत,
दयाभावसँ मलिकाइन पुवार ओगरत,
गोबरकर्सी अपन मर्जीसँ उठाएत,
ठूठ पुच्छ हिला–हिलाके कुकुरमाछी भगाएब
झूठ नई छै सोमनाके कहब–
धूर अहा बरद छी ।६।

कतबो दौनि घुमब,
तइयो पेनी खाएब,
कहियो गोला कहाएब,
सिलेबिया सेहो कहाएब,
जौ नई बहब, त बुढवा कहाएब,
नियति बनल मालिकके खुश करब,
झुठ नई छै रवियाके कहब–
धूर अहा बरद छी ।७।

Language: Maithili
1 Like · 89 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
शून्य
शून्य
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
राधे राधे happy Holi
राधे राधे happy Holi
साहित्य गौरव
लव यू इंडिया
लव यू इंडिया
Kanchan Khanna
बहुत याद आती है
बहुत याद आती है
नन्दलाल सुथार "राही"
अफसोस
अफसोस
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
हो देवों के देव तुम, नहीं आदि-अवसान।
हो देवों के देव तुम, नहीं आदि-अवसान।
डॉ.सीमा अग्रवाल
कोई आयत सुनाओ सब्र की क़ुरान से,
कोई आयत सुनाओ सब्र की क़ुरान से,
Vishal babu (vishu)
जंगल का रिवाज़
जंगल का रिवाज़
Shekhar Chandra Mitra
रंगो का है महीना छुटकारा सर्दियों से।
रंगो का है महीना छुटकारा सर्दियों से।
सत्य कुमार प्रेमी
शहीदों लाल सलाम
शहीदों लाल सलाम
नेताम आर सी
*वोट को डाले बिना, हर तीर्थ-यात्रा पाप है (मुक्तक)*
*वोट को डाले बिना, हर तीर्थ-यात्रा पाप है (मुक्तक)*
Ravi Prakash
2278.⚘पूर्णिका⚘
2278.⚘पूर्णिका⚘
Dr.Khedu Bharti
"अमृत और विष"
Dr. Kishan tandon kranti
बजट
बजट
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
हर दिन नया नई उम्मीद
हर दिन नया नई उम्मीद
Dr fauzia Naseem shad
*शिकायतें तो बहुत सी है इस जिंदगी से ,परंतु चुप चाप मौन रहकर
*शिकायतें तो बहुत सी है इस जिंदगी से ,परंतु चुप चाप मौन रहकर
Shashi kala vyas
ताजमहल
ताजमहल
Satish Srijan
"क्या देश आजाद है?"
Ekta chitrangini
हाँ मैं व्यस्त हूँ
हाँ मैं व्यस्त हूँ
Dinesh Gupta
दोहा
दोहा
डाॅ. बिपिन पाण्डेय
दूर तलक कोई नजर नहीं आया
दूर तलक कोई नजर नहीं आया
ठाकुर प्रतापसिंह "राणाजी"
शहीद दिवस
शहीद दिवस
Ram Krishan Rastogi
हिन्दुत्व_एक सिंहावलोकन
हिन्दुत्व_एक सिंहावलोकन
मनोज कर्ण
सूरज बनो तुम
सूरज बनो तुम
सुरेन्द्र शर्मा 'शिव'
■ उल्लू छाप...बिचारे
■ उल्लू छाप...बिचारे
*Author प्रणय प्रभात*
जिस मुश्किल का यार कोई हल नहीं है
जिस मुश्किल का यार कोई हल नहीं है
कवि दीपक बवेजा
कमी नहीं थी___
कमी नहीं थी___
Rajesh vyas
💐प्रेम कौतुक-251💐
💐प्रेम कौतुक-251💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
पिता की नियति
पिता की नियति
Prabhudayal Raniwal
खामोश आवाज़
खामोश आवाज़
Dr. Seema Varma
Loading...