Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
15 Jan 2023 · 3 min read

मैथिल ब्राह्मण महासभामे मैथिली वहिष्कार, संस्कृत भाषाके सम्मान !

■दिनेश यादव

मैथिली भाषा के आ कियैक रसातल दिशि धकैल रहल छैक ? ई बात आब मैथिली भाषीजन समक्ष जाहेर करबाक विषय नै रैह गेल अछि । मैथिली ककरो बपौटि नए, मुदा अई तरहे मानसिकता भेल लोक बड भेटैत छैथ । ओ मैथिलीके जन–जनसँ जोडबाक काजसँ बेसी लोक मैथिलीजनके तोड्बाक काज करैत आइब रहलाए । अमुक जातिके संस्कृति, भाषा, शैली, पहिरन आदिकै प्रचार करबाक छुट सभकियोके छैक । मुदा ‘मास पोपुलेसन’ के भाषाके बोली कैह लोक मैथिलीजनके गिजरनाई अनुचित अछि । जहाधरि मानक मैथिलीके प्रश्न अबैत अछि– त बहुतों लोक मैथिलीजनके सदखैन जिज्ञासा रहलैए जे ई मानकके निर्धारण के कयैलक ? एकर आधार र पृष्ठभूमिक किई थिकैह ? अई विषयपर मानक पक्षपाति लोकैन कुतर्क करै लागैत छैथ । ओ कहै लागैत छैथ–जे परापूर्वकालसँ प्रचलनमे आबि रहल लिखित मैथिली ग्रंथ, पुस्तक आ साहित्यकारक रचनाके सभगोटेके विशुद्ध मैथिली किंवा मानक मैथिली मानैटा पडत । अहि पर ओसभ उर्दि, उलेमा आ फतबा सेहो जारि कए दैत छैथ । एकर विरोध सब ठाम होएत आएल अछि– जाहे मंच पर विरोध होए किंवा सामाजिक संजालमे । अई विषयपर हरेक ठाम समर्थन किंवा विरोधमे एकैहटा ‘नैरेसन’ आ ‘नैरेटिभ’ देखबामें अबैत अछि । समर्थनमे ब्राह्मणवादी आ विपक्षमे ब्राह्मणेत्तर,सोलकन आदि देखल जाइछ । अईसँ मैथिली भाषी समाज एहेन तरहे ध्रुविकृत भए जाइछ जे मैथिली ठामेठाम रहै जाइछ, जातियताके विवाद उत्कर्षमे पहुँच जाइछ । एकर दोख किनका देबैन ? कि जे बजैत त छैथ मैथिली मुदा ओ अमुक जातिसँ सदखैन अछूत बनल रहैत छैथ तिनका किंवा कथित मानक जातिवालासभ एकर दोषी मानल जाएत ?
नेपालीय मैथिली भाषी क्षेत्र होए किंवा भारतीय मैथिली भाषी क्षेत्र होए– दुनू ठाम कि देखल गेल अछि जे मैथिली भाषिक अधिकारक बात आइबिते ब्राह्मणवादी (एतेह कैह दि जे ब्राह्मण समुदाय नय) मात्र कियैक संगठित भए जाएत छैथ ? कि लोक मैथिली भाषीके अईपर संगठित भए स्वरमे स्वर मिलेबाक नए चाहिं ? एकर जबाफ लोक मैथिलीजन दैत कहैत छैथ– हमर बोली, शैली, भाषिका, उपभाषा आदिके मैथिली ब्राह्मणवादीसभ अपन बुझिते नै छैथ, त हम मैथिलीके लेल कियैक बाजब किंवा लिखब ? ई एकटा यक्ष प्रश्न मैथिली भाषाके लेल वर्षौसँ ग्रास, दबिया, बर्छि, भाला लके सबदिनसँ ठाड अछि । एकर जबाब कियौ देबाक अवस्थामे नै छैथ । हँ, अहिपर विवाद निश्चित होएत आबि रहल अछि । एकर कारण लोक मैथिलीसँ दूर आ कात होएत अगल ध्रुव दिशि अपन टाँङ बढा रहल छैथ । आब एहेन अवस्था आबि गेल अछि जे अपनाके मानक मैथिली आ मैथिलीके बपौटी बुझिनिहार विद्वान लोकैनके समूह आ किछु जातिय संगठन सेहो संगठित रुपसँ मैथिली भाषाके विकल्पमे प्लान ‘बी’ आ प्लान ‘सी’ बनाके आगा बढै लागलाह अछि । एकर एकटा टटका उदाहरण काठमाण्डूमे किछू वर्षसँ आयोजन होएत आबि रहल ‘मैथिल ब्राह्मण महासभा’ के मासिक श्री सत्यनारायण पूजाके पुसक अन्तिम शनिदिनक कार्यक्रमके लेल जा सकैत अछि । मैथिली भाषापर मंडरा रहल करिया मेघके बीच मैथिली बाहेकके भाषाप्रति आकर्षण बढोनाईके एकटा अर्थपूर्ण घटना आ मैथिलीप्रतिके विकर्षणके रुपमे लेल जा सकैत अछि । ओइ कार्यक्रममे मैथिलीमे सपथ लेनिहार लोकैनके वहिष्कार कैल गेल रहैक । जी, ब्राह्मण महासभाद्वारा मैथिली भाषामे सपथ लेनिहार लोकैन के पूजामे हंकार नए दकें संस्कृत भाषामे सपथ लेनिहार सांसदके अतिथि बनाओल गेल छलैक । एकर अर्थ आ आशय सभकियोके बुझैटा पडत । मैथिल ब्राह्मण महासभा कि आब मैथिली छोडि संस्कृत दिशि अपन कदम उठा लेलक ? कि आब मैथिली नए संस्कृतमे ओसभ काज करताह ? एकर जबाफ आब आयोजक लोकैनके कि नै देब पडत ? ओना सप्तरीके एकगोट मैथिली भाषा अभियानी देवेन्द्र मिश्र एही विषयपर फेसबुक मार्फत अपन चिंता व्यक्त कयलैन–मुदा ओ अनसुना जका भँ गेल देखारमे आएल अछि । देवेन्द्रजी लिखने छैथ–
मैथिल ब्राह्मण कुलक किछु उत्कृष्ट विद्यार्थीकें सम्मानित कएनाइ बहुते प्रोत्साहनप्रद छल , मुदा मैथिली भाषापर मर्रा रहल विपत्तिक कारण आ समाधानक उपाय द’विचार मन्थन के करत आ कोन समारोहमे …? संस्कृत भाषामे सपथ लेनिहारकें समारोहमे आमन्त्रित कैल गेल , ताहिमे कोनो आपत्ति नै, मुदा विद्यापतिके नामक नामपर भेल कार्यक्रममे मैथिलीमे सपथ लेनिहार वा लेनिहारिकें नै बजेनाइके कि कारण नै बजेनाइके कि कारण भँ सकैए ? किछु नै बुझाएल ….।
मैथिलीके लोक ओहुना बभनौटि आ ब्राह्मणक भाषा कहै लागल अछि । अई गलत ‘नैरेटिभ’ के तोडबाक काज होबाक चाहि छल, मुदा काज दोहरे होबाक संकेत भेटै लागल अछि । ई एकटा चिन्ताके विषय अछि, अई विषयपर बहस जरुरी अछि । आब मानक मैथिलीसँ काज नै चलत लोकमैथिली शैली, भाषिका, बोली दिशि सेहो चिन्तन, मनन, गन्थन आ विमर्श जरुरी अछि । जौ अई तरहे प्लान बी किंवा सी दिशि आगा बढब त आब ओ दिन दूर नै जखन मैथिली इतिहासमे मात्र सीमित भँ जाएत ? ई आलेख मैथिलीप्रति चिन्ताके कारण हम लिखलौहूए । कोनो जाति, समुदाय किंवा सम्प्रदायके हमर अई आलेखसँ आहत करबाक मनुसुआ किन्नौहू नए अछि ।
काठमाण्डू (नेपाल)

Language: Maithili
Tag: लेख
2 Likes · 585 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
Books from Dinesh Yadav (दिनेश यादव)
View all
You may also like:
जीत और हार ज़िंदगी का एक हिस्सा है ,
जीत और हार ज़िंदगी का एक हिस्सा है ,
Neelofar Khan
काव्य की आत्मा और अलंकार +रमेशराज
काव्य की आत्मा और अलंकार +रमेशराज
कवि रमेशराज
देख इंसान कहाँ खड़ा है तू
देख इंसान कहाँ खड़ा है तू
Adha Deshwal
पीड़ादायक होता है
पीड़ादायक होता है
अभिषेक पाण्डेय 'अभि ’
“बधाई और शुभकामना”
“बधाई और शुभकामना”
DrLakshman Jha Parimal
आप खुद से भी
आप खुद से भी
Dr fauzia Naseem shad
प्रेम स्वप्न परिधान है,
प्रेम स्वप्न परिधान है,
sushil sarna
लोहा ही नहीं धार भी उधार की उनकी
लोहा ही नहीं धार भी उधार की उनकी
Dr MusafiR BaithA
"पूनम का चांद"
Ekta chitrangini
पुस्तक
पुस्तक
Sangeeta Beniwal
*आओ चुपके से प्रभो, दो ऐसी सौगात (कुंडलिया)*
*आओ चुपके से प्रभो, दो ऐसी सौगात (कुंडलिया)*
Ravi Prakash
मैं चाँद पर गया
मैं चाँद पर गया
Satish Srijan
भगवत गीता जयंती
भगवत गीता जयंती
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
हुनर हर मोहब्बत के जिंदगी में सिखाएं तूने।
हुनर हर मोहब्बत के जिंदगी में सिखाएं तूने।
Phool gufran
3612.💐 *पूर्णिका* 💐
3612.💐 *पूर्णिका* 💐
Dr.Khedu Bharti
कपड़ों की तरहां मैं, दिलदार बदलता हूँ
कपड़ों की तरहां मैं, दिलदार बदलता हूँ
gurudeenverma198
सीख गांव की
सीख गांव की
Mangilal 713
डोर
डोर
Dr. Mahesh Kumawat
" उड़ान "
Dr. Kishan tandon kranti
ज़िंदगी एक कहानी बनकर रह जाती है
ज़िंदगी एक कहानी बनकर रह जाती है
Bhupendra Rawat
उन के दिए ज़ख्म
उन के दिए ज़ख्म
हिमांशु Kulshrestha
समाधान से खत्म हों,आपस की तकरार
समाधान से खत्म हों,आपस की तकरार
Dr Archana Gupta
अभाव और साहित्य का पुराना रिश्ता है अभाव ही कवि को नए आलंबन
अभाव और साहित्य का पुराना रिश्ता है अभाव ही कवि को नए आलंबन
गुमनाम 'बाबा'
नहीं-नहीं प्रिये!
नहीं-नहीं प्रिये!
Pratibha Pandey
माटी करे पुकार 🙏🙏
माटी करे पुकार 🙏🙏
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
"रेलगाड़ी सी ज़िन्दगी"
Dr. Asha Kumar Rastogi M.D.(Medicine),DTCD
मौलिक विचार
मौलिक विचार
डॉ.एल. सी. जैदिया 'जैदि'
बसुधा ने तिरंगा फहराया ।
बसुधा ने तिरंगा फहराया ।
Kuldeep mishra (KD)
भगवता
भगवता
Mahender Singh
जीवन साथी,,,दो शब्द ही तो है,,अगर सही इंसान से जुड़ जाए तो ज
जीवन साथी,,,दो शब्द ही तो है,,अगर सही इंसान से जुड़ जाए तो ज
Shweta Soni
Loading...