Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
13 Nov 2021 · 2 min read

एकटा पत्र

आदरणीय श्रेष्ठ लोकनि ,समतुल्य मित्र सब आ प्रिय अनुज लोकनि केँ
प्रणाम ,नमस्कार आ स्नेह !
गूगल भलें मानि लैथ हमरा लोकनि केँ मित्र आ द दैथ फेसबुक मित्रक उपनाम मुदा हम सब गोटे केँ मित्रक परिसीमा मे कथमपि रखबाक दृष्टता नहि क सकैत छी तथापि स्वागत अछि एहि फेसबुक क रंगमंच पर !…..
आइ मित्रताक गप हैत !
देखू .मित्र बनला उपरांत संवादक आवश्यकता होइते छैक ! पहिने मित्र लोकनि समय निकाली एक दोसरा सं मिलइत छलाह ! विचारक आदान -प्रदान होइत छल ! यथायोग्य साधन अनुरूपेण सब गोटे खैलाइत छलाह ! कत्तो संगीत भ रहल अछि ,कत्तो गीत क धुन पर सब अपन -अपन गर्दनि हिला रहल छथि ! किछु गोटे लागल छथि अपन विचारक-आदान प्रदान में ! खेल -कूद ,सिनेमा ,राजनीति सभक नवीन -नवीन चर्चा सब दिन होइत छल ! इएह चर्चा सब हमर मित्रता कें प्रगाड़ बनबैत छल ! हमरा मे सहयोगक भावना अंगक सब कोण मे स्फुरित होइत रहित छल ! जखन कोनो सामाजिक कार्य भेल हमरा लोकनि कुदि पडैत छलहूँ ! आनंदित क्षण एक संगे बितवैत छलहूँ ! अखनो धरि ओहि क्षण कें बिसरि नहि सकलहूँ !
आब मित्रता अपन स्वरुप बदलय लागल ! आकाश मे हमर वैश्वयीक मित्रताक पताखा फहरा रहल अछि ! एक क्षण मे बना लिय मित्रक रेजिमेंट ! कपडा दोकान मे कपडा पसंद करू तखने कपडा खरीदू ! दरजी कें अपन स्टाइल कहि देल जाऊ ओ ‘सलमान’….. वा ..’ अमिताभ ‘…… वाला परिधान बना देत ! सब चीज पसंद करू, …….परंच बिना निर्णय ,……बिना बुझिने -सूझने हम अनगिनत मित्र एके क्लिक मे बना सकैत छी ! …..इ कोन गप्प भेल ?…… बनलहूँ मित्र आ विचारक आदान -प्रदान हेतु एकटा लक्ष्मण रेखा थोपी देल गेल ?
…”हमर टाइम लाइन एल० ओ० सी० भ गेल ! ……
एहि पर सर्जिकल स्ट्राइक केलहुं त ‘विश्व युध्य ‘भ जायत !
….. गप्प करबा क अछि वा विचारक आदान -प्रदान
करबाक अछि त व्हात्साप अथवा मस्सेंजेरक माध्यमे आउ !.”.
मित्रता मे कोनो ‘आउट ऑफ़ बाउंड एरिया ‘ नहि होइत छैक !
हाँ ….एकटा बात अवश्य हमरा सबकें ध्यान रखबाक चाही … जे …….”शिष्टाचार “,…………”मृदुलता “,……….”सौम्यता”…… कें अपना लेखनी मे भरइत रहू !
मित्रता मात्र फोटो पोस्ट केने सं नहि होइत छैक ! हमरालोकनि एहि युग मे जखन मित्रता विश्व स्तर पर पहुंचि गेल त हम किया ‘कोप भवन ‘ सं बहार नहि निकलव् ?…..
सस्नेह
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
दुमका

Language: Maithili
Tag: लेख
192 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
तन माटी का
तन माटी का
Neeraj Agarwal
भ्रम अच्छा है
भ्रम अच्छा है
Vandna Thakur
"गुमनाम जिन्दगी ”
Pushpraj Anant
अपने-अपने चक्कर में,
अपने-अपने चक्कर में,
Dr. Man Mohan Krishna
तार दिल के टूटते हैं, क्या करूँ मैं
तार दिल के टूटते हैं, क्या करूँ मैं
महावीर उत्तरांचली • Mahavir Uttranchali
आयी प्यारी तीज है,झूलें मिलकर साथ
आयी प्यारी तीज है,झूलें मिलकर साथ
Dr Archana Gupta
कर्जा
कर्जा
RAKESH RAKESH
"विजेता"
Dr. Kishan tandon kranti
माँ
माँ
Arvina
संवेदनाओं का भव्य संसार
संवेदनाओं का भव्य संसार
Ritu Asooja
■ और एक दिन ■
■ और एक दिन ■
*Author प्रणय प्रभात*
कभी ना अपने लिए जीया मैं…..
कभी ना अपने लिए जीया मैं…..
AVINASH (Avi...) MEHRA
दोहा त्रयी. . .
दोहा त्रयी. . .
sushil sarna
Swami Vivekanand
Swami Vivekanand
Poonam Sharma
मुक्तक
मुक्तक
जगदीश शर्मा सहज
किसी को इतना मत करीब आने दो
किसी को इतना मत करीब आने दो
कवि दीपक बवेजा
महाप्रभु वल्लभाचार्य जयंती
महाप्रभु वल्लभाचार्य जयंती
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
"राहे-मुहब्बत" ग़ज़ल
Dr. Asha Kumar Rastogi M.D.(Medicine),DTCD
3135.*पूर्णिका*
3135.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
रिश्ते
रिश्ते
Shutisha Rajput
आजकल अकेले में बैठकर रोना पड़ रहा है
आजकल अकेले में बैठकर रोना पड़ रहा है
Keshav kishor Kumar
तुमने - दीपक नीलपदम्
तुमने - दीपक नीलपदम्
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
भूतपूर्व (हास्य-व्यंग्य)
भूतपूर्व (हास्य-व्यंग्य)
Ravi Prakash
ऐ ज़ालिम....!
ऐ ज़ालिम....!
Srishty Bansal
सफर या रास्ता
सफर या रास्ता
Manju Singh
मैं और मेरी फितरत
मैं और मेरी फितरत
लक्ष्मी सिंह
*दायरे*
*दायरे*
DR ARUN KUMAR SHASTRI
चुनाव आनेवाला है
चुनाव आनेवाला है
Sanjay ' शून्य'
चेहरे की शिकन देख कर लग रहा है तुम्हारी,,,
चेहरे की शिकन देख कर लग रहा है तुम्हारी,,,
शेखर सिंह
परोपकार
परोपकार
ओंकार मिश्र
Loading...