Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
2 Aug 2022 · 2 min read

” हमरा सबकें ह्रदय सं जुड्बाक प्रयास हेबाक चाहि “

डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
====================================
हम एहि फेसबुक कें सदेव एकटा रंगमंच बुझलहूँ ! नव -नव परिधान आ भंगिमा सं सुज्जजित अपना कें करि एहि रंगमंच पर उतरि जाइत छी ! पहिने आभास नहि छल …नहि ज्ञान छल .आ .अभिनय करय मे संकोच होइत छल ! प्रकाश क तीब्र किरणआंखि मे प्रहार करैत छल ! पर्दा कखन उठत कखन खसत तकर अनुमान नहि छल ! हम एहि रंगमंच क नव कलाकार रही ! प्रयास निरंतर चलैत रहल आ हम अपन अभिनय क प्रदर्शन निर्भीक तरहें करय लगलहूँ ! एहि फेसबुक क हम आजन्म ऋणी रहब कियाक त हम बहुत किछु सिखलहूँ ! साहित्य क रसास्वादन ..कविता क शीतल फुहार ..हास्य व्यंग क प्रहार ..राजनीतिक समालोचना ..संक्षिप्त टिप्पणी ..आदर सत्कार .खिस्सा पिहानी ..संस्कृति सभ्यता क व्यंजन पाबि हम तृप्त भ गेलहुं ! शालीनता शिष्टाचार आ माधुर्यता क पाठ सेहो पढ्लहूँ ! अप्रिय भंगिमा क प्रयोजन क सेहो यदा -कदा खलनायक क अभिनय मे काज होइत अछि मुदा अशिष्ट भाषा ..कटु आलोचना मर्म भेदी अभिनय सं सदेव फराक रहबाक प्रयास केलहुं ! अभिनय क पराकाष्ठा पर त पहुँचबा क लालसा अखनो धरि अछि मुदा एहि नाट्य मंचक दर्शक बहुत कम्मे छथि ! आ प्रायः-प्रायः दर्शक जे अप्पन उपस्थिति दर्ज करौने छथि ओ हारल- थाकल निंद्रा देवी कें आँचर तर नुका जाइत छथि ! हुनका समय नहि छैनि जे पढ़ताह ..मनन करताह ..आ समालोचना करताह ! नींद जखन टुटैत छैनि आन दर्शक कें देखि तालि मात्र बजा देत छथि ! मित्र सूचि मे मात्र जुडी गेलहुं ..कार्य सम्पन्य भेल ..मित्र क बटालियन बना लेलहूँ ..इ अवधारणा छोडि हमरा सबकें ह्रदय सं जुड्बाक प्रयास हेबाक चाहि नहि त ” डिजिटल मित्रता “क उपनाम कें माथ पर उघैत रहू !
================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत

Language: Maithili
266 Views

You may also like these posts

आनंदानुभूति
आनंदानुभूति
Santosh kumar Miri
बेटा
बेटा
अनिल "आदर्श"
Life through the window during lockdown
Life through the window during lockdown
ASHISH KUMAR SINGH
"जीवन के लिए"
Dr. Kishan tandon kranti
शीर्षक - दीपावली
शीर्षक - दीपावली
Neeraj Agarwal
अजब गजब
अजब गजब
Akash Yadav
आकर्षण मृत्यु का
आकर्षण मृत्यु का
Shaily
अब यह अफवाह कौन फैला रहा कि मुगलों का इतिहास इसलिए हटाया गया
अब यह अफवाह कौन फैला रहा कि मुगलों का इतिहास इसलिए हटाया गया
शेखर सिंह
गीत- न ज़िल्लत कर किसी की तू...
गीत- न ज़िल्लत कर किसी की तू...
आर.एस. 'प्रीतम'
20. सादा
20. सादा
Rajeev Dutta
मेरी खामोशी का
मेरी खामोशी का
Nitu Sah
कुसुमित जग की डार...
कुसुमित जग की डार...
डॉ.सीमा अग्रवाल
" दोस्त दोस्ती और पल"
Lohit Tamta
ये तो मुहब्बत में
ये तो मुहब्बत में
Shyamsingh Lodhi Rajput "Tejpuriya"
स्त्री की स्वतंत्रता
स्त्री की स्वतंत्रता
Sunil Maheshwari
मोम की गुड़िया
मोम की गुड़िया
शालिनी राय 'डिम्पल'✍️
अशकों से गीत बनाता हूँ
अशकों से गीत बनाता हूँ
Kanchan Gupta
शेर -
शेर -
bharat gehlot
वो रस्ते तर्क करता हूं वो मंजिल छोड़ देता हूं, जहां इज्ज़त न
वो रस्ते तर्क करता हूं वो मंजिल छोड़ देता हूं, जहां इज्ज़त न
पूर्वार्थ
..
..
*प्रणय*
सुविचार
सुविचार
विनोद कृष्ण सक्सेना, पटवारी
कुरुक्षेत्र में कृष्ण -अर्जुन संवाद
कुरुक्षेत्र में कृष्ण -अर्जुन संवाद
अटल मुरादाबादी(ओज व व्यंग्य )
कभी उत्कर्ष कभी अपकर्ष
कभी उत्कर्ष कभी अपकर्ष
Mrs PUSHPA SHARMA {पुष्पा शर्मा अपराजिता}
उस सावन के इंतजार में कितने पतझड़ बीत गए
उस सावन के इंतजार में कितने पतझड़ बीत गए
ठाकुर प्रतापसिंह "राणाजी "
दुनिया में कहीं से,बस इंसान लाना
दुनिया में कहीं से,बस इंसान लाना
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
साल के आख़िरी किनारे पर
साल के आख़िरी किनारे पर
SATPAL CHAUHAN
मुक्तक-विन्यास में एक तेवरी
मुक्तक-विन्यास में एक तेवरी
कवि रमेशराज
अमीर जिन महलों को सपनों का आशियाना कहते हैं,
अमीर जिन महलों को सपनों का आशियाना कहते हैं,
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
श्रीराम अयोध्या में पुनर्स्थापित हो रहे हैं, क्या खोई हुई मर
श्रीराम अयोध्या में पुनर्स्थापित हो रहे हैं, क्या खोई हुई मर
Sanjay ' शून्य'
رام کے نام کی سب کو یہ دہائی دینگے
رام کے نام کی سب کو یہ دہائی دینگے
अरशद रसूल बदायूंनी
Loading...