Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
16 May 2022 · 2 min read

“ स्वप्न मे भेंट भेलीह “ मैथिली “

डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
=====================
चिंतन, मनन आ स्मरण जे हम यदा -कदा दिन -प्रति -दिन करैत रहित छी तकरे प्रतिबिंब मानस पटल पर घूडियात रहित अछि ! आइ स्वप्न मे साक्षात अप्पन “ मिथिला माय “ क दर्शन भ गेल ! हम प्रणाम केलियनि ! हृदय हुनक द्रवित रहैनि ! आँखि सं नोर झहरैत छलनि ! तथापि हुनक आशीर्वाद हमरा भेटल !
हम पुछलियनि , माय ! की भ गेल ? किया आहाँक आँखि सं नोर झहरैत अछि ? कहू न की भ गेल ?
“ बाउआ ! आहाँ की पूछइत छी ? सब त आहाँ केँ बुझले अछि !”- मिथिला माय मौनता केँ तोडैत बजलीह ! “ हमर पुत्र लोकनि हमर देखभाल करबा मे असमर्थ छथि ! हमर प्राण हमर मैथिली भाषा ,मिथिला संस्कृति आ यज्ञ परोजन मे समाहित अछि ! जखन एहि पर कुठाराघात होइत अछि त बुझू हमर अस्तित्व पर प्रश्न चिन्ह लागि जाइत अछि ! “
हम कहलियनि , “ हे माते ! भाषा ,संस्कृति आ रीति -रिवाज त अखनोधरि जीवित अछि ! भाषा क विकास भ रहल अछि ! “
“ अधिकाशतः लोग जे जीविकोपार्जन हेतू शहर गेलाह ओ अपने ,कनियाँ ,बच्चा सब मैथिली भाषा सं विमुख भ गेल छथि ! कनि -मनि जे गाम क संसर्ग मे छथि ओ बजैत छथि अन्यथा हुनको अबुह बुझाइत छनि ! इ संक्रामक वियाधी गामो मे सनिहा गेल अछि ! “
“ हे माते ! शहर मे हिन्दी आ अंग्रेजी क प्रचालन छैक !”
इ गप्प सुनि मिथिला माय उदास भ गेलीह आ कहलनि , “ अप्पन भाषा घर मे बजने सं ओहि भाषा सं प्रेम भ जाइत छैक ! अप्पन भाषाक पाठशाला अप्पन घर आ समाज होइत छैक ! अन्य भाषा स्कूल आ बाहरी परिवेश मे बच्चा सिखैत अछि ! मातृभाषा समाज ,संस्कृति आ रीति -रिवाज के सुदृढ़ बनबैत अछि ! सबसं पेघ गप्प ओ गाम सं जुडल रहत ! “
“ इ गप्प त सरिपहुँ कहलूँ माते “ !
पुनः हम अप्पन तर्क दैत कहलियनि –“ मैथिली लेखक कथाकार आ रंगकर्मी क योगदान त बद्द छैन ! क्रांति पुरुख भरल छथि ! विभिन्य मंच ,ग्रुप , कमिटी आहाँक सेवा मे तत्पर छथि ! हमरा लोकनिक राज्य क बनि रहल अछि ! मैथिली भाषा मे पढ़ाई लिखाई प्रारंभ भ गेल !”
“ बत्स ! आहाँ कहि रहल छी सत्य ! हिनका लोकनिक योगदान अपूर्व छनि ! मुदा कनि हिनका लोकनि सं पुछल जाऊ त अधिकांशतः हिनकर पुत्र ,पुत्री ,पौत्र आ पौत्री क शिक्षा अन्य भाषा मे भ रहल छैनि ! कतेक लोक त मैथिली आ मिथिला सं कोसों दूर छथि ! विभिन्य मंच ,ग्रुप , कमिटी
कखनों कखनों दृगभरमित भ जाइत छथि अन्यथा आइ मिथिलाक्षर क प्रचारक लेल अभियान नहि करय पडितेय ! “
इ कहि “ माते “ अन्तर्धान भ गेलीह ! नहि कहि हुंकर नोर के पोंछतनि ?
हमर स्वप्न टूटि गेल !
===============
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल “
साउन्ड हेल्थ क्लिनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत

Language: Maithili
200 Views

You may also like these posts

मैं उसको जब पीने लगता मेरे गम वो पी जाती है
मैं उसको जब पीने लगता मेरे गम वो पी जाती है
डॉ. दीपक बवेजा
कवियों का अपना गम...
कवियों का अपना गम...
goutam shaw
"जिन्दगी"
Dr. Kishan tandon kranti
इतना भी अच्छा तो नहीं
इतना भी अच्छा तो नहीं
शिव प्रताप लोधी
खुद क्यों रोते हैं वो मुझको रुलाने वाले
खुद क्यों रोते हैं वो मुझको रुलाने वाले
VINOD CHAUHAN
अलख क्रांति
अलख क्रांति
PRATIBHA ARYA (प्रतिभा आर्य )
नया
नया
Neeraj Agarwal
विषधर
विषधर
आनन्द मिश्र
!..........!
!..........!
शेखर सिंह
इक अदा मुझको दिखाया तो करो।
इक अदा मुझको दिखाया तो करो।
सत्य कुमार प्रेमी
ग़ज़ल
ग़ज़ल
डॉ सगीर अहमद सिद्दीकी Dr SAGHEER AHMAD
भक्षक
भक्षक
Vindhya Prakash Mishra
कहा कहां कब सत्य ने,मैं हूं सही रमेश.
कहा कहां कब सत्य ने,मैं हूं सही रमेश.
RAMESH SHARMA
*बाबा लक्ष्मण दास जी की स्तुति (गीत)*
*बाबा लक्ष्मण दास जी की स्तुति (गीत)*
Ravi Prakash
वो काल है - कपाल है,
वो काल है - कपाल है,
manjula chauhan
बदलते मूल्य
बदलते मूल्य
Shashi Mahajan
चलो मैं आज अपने बारे में कुछ बताता हूं...
चलो मैं आज अपने बारे में कुछ बताता हूं...
Shubham Pandey (S P)
सोशल मीडिया में आधी खबरें झूठी है और अखबार में पूरी !!
सोशल मीडिया में आधी खबरें झूठी है और अखबार में पूरी !!
P S Dhami
।।
।।
*प्रणय*
बह्र 2122 2122 212 फ़ाईलातुन फ़ाईलातुन फ़ाईलुन
बह्र 2122 2122 212 फ़ाईलातुन फ़ाईलातुन फ़ाईलुन
Neelam Sharma
दिल के रिश्ते
दिल के रिश्ते
Bodhisatva kastooriya
कर्म यदि अच्छे हैं तो डरना नहीं
कर्म यदि अच्छे हैं तो डरना नहीं
Sonam Puneet Dubey
शहर का मैं हर मिजाज़ जानता हूं....
शहर का मैं हर मिजाज़ जानता हूं....
sushil yadav
*कौन-सो रतन बनूँ*
*कौन-सो रतन बनूँ*
Poonam Matia
बचपन लोटा दो
बचपन लोटा दो
पूर्वार्थ
जिंदगी का सवेरा
जिंदगी का सवेरा
Dr. Man Mohan Krishna
होली के पावन पर्व पर पुलवामा शहीदों और पल - पल शहीद होते अन्
होली के पावन पर्व पर पुलवामा शहीदों और पल - पल शहीद होते अन्
Seema Verma
*राम स्वयं राष्ट्र हैं*
*राम स्वयं राष्ट्र हैं*
Sanjay ' शून्य'
संसद में लो शोर का,
संसद में लो शोर का,
sushil sarna
खेजड़ी
खेजड़ी
जितेन्द्र गहलोत धुम्बड़िया
Loading...